फ्रान्ससँ कतार होइत नेपाल आएल युवतीमे कोरोना संक्रमण

जनकपुरधाम चैत ११ गते ।फ्रान्ससँ कतार होइत नेपाल आएल एक नेपाली युवतीकेँ कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अछि । १९ वर्षीया युवतीके टेकु अस्पतालमे इलाज चलि रहल स्वास्थ्य मन्त्रालय पत्रकार सम्मेलन कऽ जानकारी देलन्हि अछि ।
ओ युवती कतार एअरवेजसँ चैत ४ गते काठमाण्डु आएल छलीह ।
एखन सेहो नेपाली आ विदेशीसहित ७१ टा शंकास्पद खरिपाटी क्वारेन्टाइनमे रहल स्वास्थ्यमन्त्री भानुभक्त ढकाल जानकारी देलन्हि । संक्रमित युवतीक परिवारकेँ सेहो आइसोलेसनमे राखल जाएत ओ बतओलन्हि ।
एखनधरि ६ सय गोटेके परीक्षण कएलगेल अछि जाहिमे दुगोटेमे पोजिटिभ देखलगेल अछि । एहिसँ पहिने सेहो एक आदमीमे कोरोना भाइरस देखलगेल छल । ओ उपचारके बाद स्वस्थ्य भऽ कऽ घर घुरि चुकल अछि ।
एहिबीच स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय, स्वास्थ्य आपतकालीन तथा विपत् व्यवस्थापन एकाइ कोरोना भाइरस संक्रमित महिला आएल जहाजक अन्य यात्रीके खोजी कऽ तत्काल परीक्षणके दायरामे लाबएलेल इपिडिमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण महाशाखाकेँ निर्देशन देलक अछि ।
एकाइ सोमदिन जहाजक यात्रीसहित संक्रमित देखलगेल महिला यात्रीके परिवारक सदस्यसभ अन्य सम्पर्कमे आएलसभके सेहो परीक्षण करबालेल आ प्रोटोकलअनुसार क्वारेन्टाइनसहितक विषयमे सम्पर्क ट्रेसिङ कऽ २४ घण्टाभितर विवरण उपलब्ध करएबाक निर्देशन देलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *