सामान्य प्रकृतिक थुनुवा रिहा

जनकपुरधाम चैत ११ गते ।जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा गम्भीर प्रकृतिके मुद्दाबाहेकके थुनुवासभकेँ रिहा कएलक अछि । विश्वव्यापी महामारीके रुप लऽ रहल कोरोना भाइरसके सम्भावित संक्रमणक जोखिमके न्यूनीकरण करबालेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय ओकरासभकेँ रिहा कएलक अछि ।
एहिसँ पहिने चैत ६ गते संघीय संसदके कानुन, न्याय तथा मानवअधिकार समिति कारागारमे रहल कैदी बन्दीके संख्या घटाबएलेल सरकारकेँ निर्देशन देने छल । ओहि निर्देशनअनुसार जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा गम्भीर प्रकृतिके मुद्दा बाहेकके थुनुवासभकेँ हिरासतमुक्त कएलक अछि ।
रविदिन आ सोमदिन कऽ २२ टा थुनुवाके साधारण तारिखमे रिहा कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक प्रवक्ता डीएसपी रामेश्वर कार्की जानकारी देलन्हि । विश्वव्यापी महामारीके रुप लेने कोरोनाके सम्भावित संक्रमणक जोखिमके कम करबालेल थुनुवासभक संख्या घटाओल जा रहल ओ बतओलन्हि ।
ओ कहलन्हि,‘सरकार कोरोना भाइरसक सम्भावित संक्रमण रोकबालेल कहैत सामान्य प्रकृतिके अपराधिक घटनामे संलग्न भऽ प्रहरी हिरासतमे रहल थुनुवाकेँ घर पठएबाक तैयारी कएलाक बाद हमसभ सेहो सामान्य प्रकृतिके थुनुवासभकेँ रिहा कएलौंह अछि ।’
कोरोना संक्रमण भऽ चुकल अवस्थामे सम्भावित जटिलताकेँ मध्यजनर करैत सामान्य प्रकृतिके अपराधमे संलग्नसभकेँ छोडलगेल ओ बतओलन्हि ।
डीएसपी कार्की सार्वजनिक मुद्दा, अभद्र व्यवहार, लागुऔषधसहितक सामान्य प्रकृतिके घटनामे संलग्न भऽ हिरासतमे रहल थुनुवासभकेँ छोडलगेल बतओलन्हि अछि ।
ओकरासभकेँ मुद्दा देखएबला अधिकारीसमक्ष पेश कऽ कानुनअनुसार हिरासतमुक्त कएलगेल ओ बतओलन्हि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषामे एख्न विभिन्न प्रकृतिक मुद्दाक ६० टा थुनुवा अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *