हाथ धोबएलेल पानि आ ह्याण्डवास

जनकपुरधाम चैत ११ गते ।कोरोना भाइरस संक्रमणक त्रास बढि रहल समय जनकपुरक २० स्थानमे हाथ धोबाक व्यवस्था कएलगेल अछि । जनकपुर उद्योगा वाणिज्य संघ आ श्रीमती महिला प्रहरी संघक संयुक्त सहयोगमे जनकपुरक २० टा चौकपर हाथ धोबएलेल पानि आ ह्याण्डवासक व्यवस्था कएलगेल अछि ।
कोरोना संक्रमणसँ बँचबालेल किछु देरके अन्तरालमे हाथ धोएब जरुरी रहलाक कारण सर्वसाधारणके सुविधा पहुँचएबाक उद्देश्यसँ वाणिज्य संघ आ श्रीमती महिला संघक संयुक्त पहलमे एतुका २० टा चौकपर ड्रमसहित पानि आ ह्याण्डवासक व्यवस्था कएलगेल वाणिज्य संघक वरिष्ठ उपाध्यक्ष जीतेन्द्रप्रसाद साह जानकारी देलन्हि ।
साहक अनुसार जनकपुरक शिव चौक, जनक चौक, भानु चौक, जिरोमाइल, विश्वकर्मा चौकसहितक स्थानपर पानि आ ह्याण्डवासक व्यवस्था कएलगेल अछि । कोरोना संक्रमणक जोखिमसँ बँचबालेल चौकसभपर राखलगेल पानि आ ह्याण्डवासक प्रयोग करबालेल सर्वसाधारणसँ वाणिज्य संघ आ श्रीमती महिला प्रहरी संघ आग्रह कएलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *