जनकपुर बजार बन्द करबाक निर्णय

जनकपुरधाम चैत ११ गते ।विश्वभरि कोरोना भाइरस संक्रमणक त्रास बढ्ैतगेलाक बाद आईसँ जनकपुरक बजार बन्द होबए जा रहल अछि । कोरोना संक्रमण नहि आबए देबएलेल आईसँ जनकपुर बजार बन्द होबए जा रहल अछि ।
जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक सोमदिन बैसल बैठक कोरोना संक्रमणक सम्भावित जोखिमकेँ मध्यनजर करैत आईसँ चैत १६ गतेधरि अत्यावश्यक बाहेक सम्पूर्ण व्यवसायिक प्रतिष्ठानसभ बन्द करबाक निर्णय कएलक अछि ।
जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक वरिष्ठ उपाध्यक्ष जीतेन्द्रप्रसाद साह सम्पूर्ण वस्तुगत संघसंस्थासभक सुझावअनुसार आईसँ चैत १६ गतेधरि जनकपुर बजार बन्द करबाक निर्णय भेल जानकारी देलन्हि । बजार क्षेत्रमे भीडभाड नहि होबए देबएलेल अत्यावश्यकबाहेक अन्य सम्पूर्ण दोकानसभ बन्द रहत ओ बतओलन्हि ।
बैठक दैनिक उपभोग्य वस्तु, दुध, दवाईसहितक अत्यावश्यक सामग्री भेटएबला दोकानबाहेक अन्य सम्पूर्ण दोकानसभ बन्द करबाक निर्णय कएलक अछि ।
एहिसँ पहिने रविदिन बैसल वाणिज्य संघक बैठक कोरोना भाइरसक महामारीके कारण कोनो समय बजार बन्द कबाक अवस्था आबि सकैत अछि कहैत तैयार अवस्थामे रहबालेल आग्रह कएने छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *