कोरोनासँ बँचबालेल प्रदेश २ मे कमजोर तैयारी, स्वास्थ्यकर्मी असुरक्षित

जनकपुरधाम चैत ११ गते ।चीनके वुहान शहर होइत विश्वभरि कोरोना संक्रमण फैल रहलाक बादो प्रदेश २ मे एखनधरि एकर संक्रमणसँ बँचबालेल पर्याप्त तयारी नहि भऽ सकल अछि । सरकार उचित व्यवस्था नहि कऽ सकलाक बाद स्वास्थ्यकर्मीसभ स्वयं असुरक्षित महसुस करए लागल छथि ।
बिमारसभक अधिक भीडभाड रहएबला जनकपुरस्थित प्रादेशिक अस्पतालक चिकित्सकसभ कोरोना संक्रमणसँ बँचबालेल आवश्यक पीपीआई, मास्क, चश्मासहितक उपकरणबिना चेकजाँचमे खटल छथि ।
प्रदेश सरकारक सामाजिक विकास मन्त्रालय अन्तर्गत रहल जनकपुरस्थित प्रादेशिक अस्पतालमे कोरोना संक्रमणसँ बँचबालेल आवश्यक उपकरणसभ नहि रहलाक कारण ओसभ असुरक्षित महसुस कऽ रहल चिकित्कसभ बतबैत छथि ।
प्रादेशिक अस्पतालक प्रमुख डा.नागेन्द्र यादव हरेक दिन ७ सयसँ ८ सयके संख्यामे ओपीडीमे बिमार अबैत अछि मुदा चेकजाँचमे खटल चिकित्सकसभकेँ पीपीईसहित सुविधा उपलब्ध नहि भऽ सकलाक कारण असुरक्षित महसुस कऽ रहल बतओलन्हि ।
‘दैनिक ७ सँ ८ सय बिमार ओपीडीमे आएल करैत अछि, वार्डमे सेहो ओतबे चाप अछि,’ ओ कहलन्हि,‘मुदा स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ कोरोना प्रतिरोधक पोशाकसहितक सामग्री उपलब्ध नहि अछि । हमसभ अपने जोखिम महसुस कऽ रहल छी । ओपीडी बन्द करबाक विषयमे विचार चलि रहल अछि ।’
प्रादेशिक अस्पतालमे बिमारक भीडभाड घटएबातर्फ विचार चलि रहल ओ बतओलन्हि । सामान्य उपचारके लेल सेहो बिमार अस्पताल पहुँच रहल कहैत स्थिति सामान्य नहि होबएधरि भीडभाड नहि करबालेल ओ आग्रह कएलन्हि ।
कोरोना संक्रमण देखलगेल अवस्थामे उचारके लेल प्रदेश सरकारक तैयारी कमजोर देखलगेल अछि । एखनधरि प्रादेशिक अस्पतालमे आइसोलेसन वार्ड तक तैयार नहि भऽ सकल अछि तऽ सरकार क्वारेन्टाइनक व्यवस्था सेहो नहि कऽ सकल अछि ।
प्रादेशिक अस्पतालमे आइसोलेसन वार्ड बनाओलगेलाक बादो ओतह बेड नहि राखलगेल अछि । बेडबिनाक आइसोलेसन कक्ष कियाक बनाओलगेल जिज्ञासा पर अस्पताल प्रमुख यादव एहि विषयमे तत्काल जानकारी लऽ रहल बतओलन्हि ।
तहिना कोरोना संक्रमण देखलगेल अवस्थामे बिमारके इलाज करबालेल भेन्टिलेटरके व्यवस्था सेहो एखनधरि नहि भऽ सकल अछि । ‘एखनधरि प्रदेश २ मे कोरोना संक्रमित नहि देखलगेल अछि,’ अस्पताल प्रमुख यादव कहैत छथि,‘संक्रमितके इलाज करबालेल भेन्टिलेटर जरुरी अछि, मुदा व्यवस्था नहि भऽ सकल अछि । व्यवस्थापनमे हमसभ जुटल छी ।’
प्रदेश २ स्थित स्वास्थ्य निर्देशनालयक प्रवक्ता विजय झा वीरगंजसँ सप्तरीधरि करिब २ सय ५० बेडक क्वारेन्टाइनक व्यवस्था भऽ चुकल बतओलन्हि । क्वारेन्टाइनक समस्या नहि रहलाक बादो आवश्यक उपकरणके अभाव रहलाक कारण ओसभ चिन्तित रहल झा बतओलन्हि ।
‘प्रदेशमे क्वारेन्टाइनक अधिक समस्या नहि अछि,’ ओ कहलन्हि,‘मुदा कतौहसँ पोजिटिभ केस आबि गेलाक बाद इलाजके लेल आवश्यक उपकरणक व्यवस्था नहि भऽ सकल अछि ।’
शंकास्पद १० गोटेके ल्याब परीक्षण करबालेल तत्काल किट रहलाक बादो ओहिसँ अधिकके जाँच करबाक अवस्था नहि रहल ओ बतओलन्हि । ‘किछु ल्याब प्राविधिकसभकेँ प्रशिक्षण देलगेल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘एखनुक अवस्थामे हमरासभलँग १० गोटेके जाँच करबाक सुविधामात्र उपलब्ध अछि । मुदा हमसभ तीन सयके लक्ष्य लऽ कऽ काज कऽ रहल अछि ।’
स्वास्थ्यकर्मीसभके लेल आवश्यक पीपीआई, ग्लोब्स, चश्मा, जुत्तासहितक उपकरणसभ एखनो पर्याप्त संख्यामे उपलब्ध नहि भऽ सकल ओ बतओलन्हि । स्वास्थ्यकर्मीए जोखिममे रहल अवस्थामे बिमारके इलाज करब कठिन रहल तथ्य बुझि कऽ आवश्यक सामग्री जुटाबएमे ओसभ जुटल झा बतओलन्हि ।
प्रदेश २ सँ जुडल बिहारक पटनामे एक कोरोना संक्रमितके मृत्यु भेलाक बाद सर्वसाधारणमे त्रास फैलल अछि । बिहार नजदिक रहलाक कारण प्रदेश २ मे सेहो कोरोना संक्रमण भऽ सकैत अछि कहैत सर्वसाधारण त्रासमे अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *