कोरोना त्रासः पाँच लाखसँ अधिक राजधानीसँ बाहर

काठमाण्डु चैत १० गते ।सरकार कोरोना संक्रमणक जोखिम बढलाक बाद शैक्षिक संस्था बन्द करबाक निर्णय करबाक संगहि राजधानी काठमाण्डु छोडएबलाके संख्या सोझे बढल अछि । चैत ६ गतेसँ रविदिनधरि पाँच लाखसँ अधिक आदमी राजधानी छोडि चुकल अछि । राजधानी पहुँचबाक क्रम न्यून अछि ।
तीन दिनके अवधिमे राजधानी पहुँचएबला यात्री एक लाख ९४ हजार रहल महानगरीय ट्राफिक प्रहरी महाशाखा जनओलक अछि । शुक्रदिन एक लाख ३० हजार, शनिदिन दु लाख ६ हजार आदमी राजधानी छोडने अछि । तहिना शनिदिन सेहो एक लाखसँ अधिक आदमी राजधानी छोडि चुकल अछि ।
सरकार गत चैत ५ गते कोरोना भाइरसके संक्रमण रोकथाम करबालेल माध्यमिक शिक्षा परीक्षा एसईई अनिश्चितकालके लेल स्थगन कऽ चुकल अछि तऽ आवश्यक सावधानी अपनबैत सभ शैक्षिक संस्थासेहो बन्द कएने अछि ।
कोरोना भाइरस संक्रमण नहि होबए देबएलेल उच्च सर्तकता अपनबैत देशमे रविदिनसँ चैत २१ गतेधरि सार्वजनिक आ निजी क्षेत्रसँ प्रदान कएल जाएबला अतिआवश्यक बाहेकके सभ सेवासभ बन्द कएलगेल अछि ।
तहिना चैत १० गतेसँ लम्बा दूरीके यात्रीबाहक सवारी साधन सेहो बन्द करबाक निर्णय भऽ चुकल अछि । तहिना रविदिनसँ अन्तर्राष्ट्रिय उडान सेहो बन्द भेल अछि ।
नेपालमे एखनधरि कोरोना संक्रमण नहि रहलाक बादो बढि रहल जोखिमके कारण शैक्षिक संस्था, अतिआवश्यक सेवाबाहेकके सेवा बन्द भेल आ आर्थिक पर्यटन क्षेत्र प्रभावित भेलासँ राजधानी छोडएबला यात्रीके संख्यामे हरेक दिन वृद्धि भऽ रहल अछि । महाशाखाक अनुसार चैतके ६ गतेसँ ८ गतेधरि ४५ हजार ६८२ गाडीमे एक लाख ९४ हजार ७३३ यात्री काठमाण्डु पहुँचल अछि ।
महाशाखा प्रमुख प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक भीमप्रसद ढकालक अनुसार रविदिन भिन्सर राजधानी छोडएबला यात्रीके संख्या ५६ हजार ६४७ छल ।
तहिना चैत ५ गतेक तथ्यांकअनुसार राजधानीसँ बाहर जएबलासँ अधिक पहुँचएबलाके संख्या अधिक छल । ओहि दिन १८ हजार १८० गाडीमे ९८ हजार ९३४ यात्री राजधानी पहुँचल छल तऽ १७ हजार ४४१ गाडीमे ९५ हजार २४७ यात्री काठमाण्डुसँ बहराएल छल ।
कोरोना भाइरस संक्रमण रोकबालेल सरकार एहिसँ पहिने सिनेमाहल, सांस्कृतिक केन्द्र, रंगशाला, खेलस्थल, जिम, हेल्थ क्लब, म्युजियम, स्विमिङ पुल आदिकेँ वैशाख १८ गतेधरि बन्द कऽ चुकल अछि ।
अत्यावश्यक काजबाहेक आवतजत नहि करबालेल, सांस्कृतिक, सामाजिक आ ओहि कार्यसभमे पार्टी प्यालेस, मठमन्दिर, गुम्बा, मस्जिद, चर्चसहितक धार्मिक आ सार्वजनिक स्थलमे २५ सँ अधिक आदमीके जम्मा हएबापर सेहो सरकार रोक लगओलक अछि ।
बसपार्क तथा टिकट काउन्टरसहित विभिन्न चौकमे एखनो आदमीके भीडभाड अधिक देखलगेल अछि । एहितर्फ सावधानी अपनएबाक आवश्यक्ता देखलगेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *