मास्क आ स्यानिटाइजर कालाबजारी कएन्हिार चारिगोटे नियन्त्रणमे

जनकपुरधाम चैत १० गते ।कोरोना भाइरस संक्रमणके त्रास फैल रहल समय मास्क आ स्यानिटाइजर कालाबजारी करएबला चारिगोटे जनकपुरसँ पकराएल अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय आ जिल्ला प्रशासन कार्यालयक संयुक्त टोली चारु गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेने अछि ।
कोरोना संक्रमणके मौका देख कऽ उपभोक्तासँ अधिक मूल्य लऽ कऽ बिक्री कऽ रहल अवस्थामे ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।
अनुगमनके क्रममे जनकपुरधाम–४ स्थित सुस्मिता मेडिकल हलसँ सर्लाही बरहथवा–८ क संजय साह, जनकपुरधाम–८ स्थित भ्रमरपुरा चौकस्थित अटल फार्मेसीसँ धनुषा लक्ष्मिनिया–३ क अनिल यादव आ जलेश्वर–६ क प्रभन्स चौधरी आ जनकपुरधाम–४ स्थित सम्पूर्ण मेडिकल हलसँ स्थानीय संजय साहकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता डीएसपी रामेश्वर कार्की जानकारी देलन्हि ।
मास्क आ स्यानिटाइजर कालाबजारी कऽ रहल अवस्थामे पकराएल चारु गोटेविरुद्ध कालाबजारीसम्बधी मुद्दा चलएबाक तैयारी चलि रहल ओ बतओलन्हि ।
कोरोना संक्रमणक त्रास फैललाक बाद जनकपुरमे मास्क आ स्यानिटाइजरके व्यापक अभाव भेल अछि । जनकपुरक अधिकांश औषधि विक्रेतासभ मास्क आ स्यानिटाइजर नहि रहल उपभोक्तासभकेँ बतबैत आबि रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *