बर्दिवास बजार बन्द

जनकपुरधाम चैत १० गते ।विश्वव्यापी रुपेँ फैल रहल कोरोना भाइरसक संक्रमणके देखैत महोत्तरीक अधिकांश पालिका बजार बन्द करबाक निर्णय कएलक अछि । कोरोना भाइरस संक्रमणविरुद्ध सचेत रहबालेल सर्वसाधारणकेँ आव्हान करैत महोत्तरीक बर्दिवास बजार बन्द करबाक निर्णय व्यवसायीसभ कएलक अछि ।
कोरोना भाइरस संक्रमणके त्रासमे बर्दिवास बजारमे उपभोक्तासभक न्यून उस्थितिके कारण सेहो बजार सुनसान देखलगेलाक बाद बर्दिवास उद्योग वाणिज्य संघ ई निर्णय कएलक अछि । कोरोना भाइरसके संक्रमण नहि फैलए देबएलेल अतिआवश्यक बाहेक बर्दिवासस्थित उद्योग, कलकारखाना बन्द करबाक निर्णय कएलगेल बर्दिवास उद्योग वाणिज्य संघ जनओलक अछि ।
बर्दिवास उद्योग वाणिज्य संघ चैत ९ गतेसँ २१ गतेधरि कोरोना भाइरस संक्रमणविरुद्ध सावधानी अपनाबएलेल बजार बन्द करबालेल व्यवसायीसभसँ अपलि सेहो कएलक अछि । संघक महासचिव भवनाथ खतिवडा चाउर, दाइल, तेल, नुनसहितक खाद्यान्न वस्तु प्रशासनक सहयोगमे उपभोक्ताकेँ उपलब्ध कराओल जाएत जानकारी देलन्हि ।
विपतके समय व्यवसायी उद्योगीकेँ आर्थिक समस्या आबि सकलाक कारण घर मालिकसभकेँ घरभाडा छुट देबएलेल सेहो बर्दिवास उद्योग वाणिज्य संघ आग्रह कएने अछि ।
संघ व्यवसायीसभक बैंक तथा वित्तिय संस्थाक ब्याज, बिजली पानिक महसुल, कर, भ्याटमे छुट करबालेल सेहो सरकारसँ अनुरोध कएलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *