बजार बन्द करबाक अवस्था आबि सकैत अछि– वाणिज्य संघ

जनकपुरधाम चैत १० गते ।जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ विश्वभरि फैलल कोरोना भाइरसक महामारीके कारण जनकपुरक बजार बन्द करबाक अवस्था आबि सकैत अछि सचेत करओलक अछि । संगहि ओ एहि अवस्थाके लेल तैयार रहबालेल सम्बन्धीत सभसँ आग्रह सेहो कएलक अछि ।
रविदिन सम्पन्न वाणिज्य संघक आकस्मिक बैसार कोरोनाक महामारी लऽ रहल व्यापक रुपके कारण कोनो समय आवश्यक वस्तुबाहेक बजार बन्द करबाक अवस्था आबि सकैत अछि कहैत एहिके लेल तैयार रहबालेल अनुरोध कएने अछि ।
तहिना बैसार अत्यावश्यक सामग्री अनुचित भण्डार नहि करबालेल आग्रह करैत अनुचित भण्डारण करबाक हिसाबसँ दैनिक उपभोग्य वस्तु खरिद नहि करबालेल सर्वसाधारणसँ आग्रह कएने अछि ।
अत्यावश्यक काजबाहेक घरसँ बाहर नहि निकलबालेल आग्रह करैत भीडभाड होबएबला स्थानमे नहि जएबालेल वाणिज्य संघ सम्पूर्ण सभसँ अपिल कएने अछि ।
वाणिज्य संघ सम्पूर्ण व्यवसायीसभसँ अपन अपन व्यापारिक प्रतिष्ठानमे साबुन पानि आ स्यानिटाइजरके व्यवस्थापन कऽ ग्राहककेँ हाथ धो कऽ मात्र दोकानभितर आबएलेल अनुरोध करबाक निर्णय कएलक अछि ।
कोरोना संक्रमणके देखैत समन्वयके लेल हर समय जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ तैयार रहल जनओलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *