कोरोना भाइरसके संक्रमणसँ एकहि दिन २ सय ४२ गोटेके मृत्यु

एजेन्सी, चीन फागुन २ गते ।चीनमे कोरोना भाइरसके संक्रमणसँ एकहि दिन २ सय ४२ गोटेके मृत्यु भऽ गेल अछि । कोभिड–१९ नाम देलगेल एहि भाइरससँ बुधदिन एकहिदिन १४ हजार आदमी संक्रमित भेल अछि ।
कम संक्रमणभेलसभकेँ सेहो संक्रमितके तथ्यांकमे राखलगेलाक कारण ई संख्या सोझे बढल अछि । एहि भाइरसके कारण एखनधरि ६० हजारसँ अधिक आदमी संक्रमित रहल बताओलगेल अछि ।
चीनके पिपुल्स डेली पत्रिकाक अनुसार कोरोनाक उद्गमस्थल मानलगेल हुबेई प्रान्तमे मात्र करिब १३ सय आदमीके मृत्यु भऽ चुकल अछि । कुल मृतकके संख्या १३ सय १० पहुँचल अछि । एखन सेहो ३३ हजार ७ सय आदमी अस्पतालमे इलाज करा रहल अछि । ३ हजार ४४१ गोटे इलाजके बाद घर घुरल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *