नेपाल–चीनबीच अघोषित नाकाबन्दी

काठमाण्डु फागुन २ गते । नेपालक दोसर सभसँ पैघ व्यापार साझेदार देश चीनमे फैलल कोरोना भाइरससँ बँचबाक पूर्वतैयारी सुरु कएलगेलाक बाद ओकर सीधा असर नेपालक अर्थतन्त्रमे देखल जा रहल अछि ।
नेपाल–चीन जोडएबला उत्तरी नाकासभ बन्द भेलासँ दुनु देशबीचक व्यापार चौपट भेल अछि । नाका आसपास व्यवसाय करैत आबि रहल स्थानीय सेहो विस्थापित भऽ रहल अछि ।
चीनके वुहानसँ संसारभरि फैल रहल कोरोना भाइरसके संक्रमणके बाद दुनु देशीचक व्यापार पछिला एक महिनासँ अघोषितरुपेँ ठप्प अछि । दुनु देश सहमतिमे नाका बन्द कएने अछि । जकर प्रत्यक्ष असर दुनु देशबीचक व्यापार आ सरकारक राजश्वमे देखल जा रहल अछि ।
नेपाल आ चीन ९ टा उत्तरी नाकासँ जुडल अछि । ओहिके संगहि त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल, समुद्री नाकासँ भारततर्फसँ वीरगंज सुख्खा बन्दरगाहसँ सेहो नेपाल आ चीनबीच व्यापार होइत आएल अछि ।
रसुवाक केरुङ–रसुवागढी आ सिन्धुपाल्चोकक तातोपानी नाका स्थलमार्गसँ सभसँ अधिक व्यापार होबएबला नाका अछि । एहिबाहेक मुस्ताङके कोरला, हुम्लाक यारी, दोलखाक लामाबगर, ताप्लेजुङक ओलाङचुङगोला, संखुवासभाक किमाथान्का, गोरखका लार्के आ मुगुक मुगु भन्सारसँ सेहो नेपाल चीनसँ कमसम मात्रामे व्यापार होइत अछि ।
तातोपानी आ रसुवागढीबाहेक अन्य नाकाक व्यापार अधिक नहि रहल भन्सार विभाग जनओने अछि ।
सिन्धुपाल्चोकक तातोपानी नाकासँ पछिला २० दिनमे कोनो सवारी साधान आ आदमीक आवतजावत नहि भेल तातोपानी भन्सार प्रमुख लालबहादुर खत्री बतओलन्हि ।
भूकम्पके बाद लम्बा समय बन्द रहि कऽ एहि आर्थिक वर्षसँ सञ्चालनमे आएल तातोपानी नाका व्यवसायिकता ग्रहण करबासँ पहिने कोरोनाक मारिमे परल भन्सार प्रमुख खत्री बतओलन्हि ।
साउनसँ माघधरि तातोपानी भन्सार कार्यालय कूल १ अर्ब ४ करोड राजस्व संकलन कएने ओ बतओलन्हि । पुष महिनामे २० करोड राजस्व संकलन भेल छल । मुदा, कोरोनाक बाद बुधदिनधरिके विवरणअनुसार पछिला एक महिनामे मात्र १३ करोड रुपैयाँ मात्र राजस्व उठल खत्री बतओलन्हि । ई राजस्व यार्डमे नाका बन्द हएबासँ पहिने आबिचुकल भन्सार पासके अछि ।
तातोपानी नाकासँ मालवाहक सवारी साधन तथा आदमीक आवतजावत नहि भेलाक कारण एखन सुनसान बनल अछि ।
चीनमे कोरोना संक्रमण भेलाक बाद रसुवागढी नाका बन्द भेला वृहस्पतिदिन १६ दिन भऽ चुकल अछि ।
गत वर्ष एहि नाकासँ माघ महिनामे १ अर्ब २२ करोड राजस्व संकलन भेल छल । मुदा बुधदिनधरि रसुवागढी भन्सार माघ महिनामे ६४ करोडमात्र राजस्व संकलन कएने अछि ।
रसुवागढी भन्सार प्रमुख पुण्यविक्रम खड्काक अनुसार भन्सार यार्डमे एखन कोनो सामान नहि अछि । रसुवागढी नाकाक नेपालतर्फक सडक पर खाली कन्टेनरसभ मात्र रहल ओ बतओलन्हि । होटल व्यवसायीसभ अपन व्यवसाय बन्द कऽ काठमाण्डु चलिगेल ओ बतओलन्हि ।
रसुवाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी अर्जुन भण्डारीक अनुसार माघ १९ के बाद एकहौटा विदेशी नागरिक एहि नाकासँ नेपाल प्रवेश नहि कएलक अछि । एहि अवधिमे नाका क्षेत्रमे रहल आ पहुँचल ४७१ गोटेकेँ नाकासँ घुराओलगेल प्रजिअ भण्डारी बतओलन्हि ।
कोरला नाकासँ अषाढ आ भादवमे मात्र सामान्य कारोबार होइत आएल नाका प्रमुख यादवप्रसाद पहाडी बतबैत छथि पहाडी कहलन्हि,‘एखन ई नाका पूर्णरुपेँ सील कएलगेल अछि, कोनो व्यापारिक कारोबार तथा आदमीक आवतजावत नहि अछि ।’

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *