नदीजन्य पदार्थ नहि उठाबएलेल निर्देशन

रौतहट फागुन २ गते ।रौतहटके पश्चिमी क्षेत्रस्थित लालबकैया नदीसँ नदीजन्य पदार्थ नहि उठाबएलेल संयुक्त अनुगमन टोली कडा निर्देशन देलक अछि ।
रौतहटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी बासुदेव घिमिरेक नेतृत्वमे गेल संयुक्त अनुगमन टोली स्थलगत अनुगमनपश्चात लालबकैया नदीसँ नदीजन्य पदार्थ नहि उठाबएलेल निर्देशन देने अछि ।
स्थानीय फतुवा विजयपुर आ गुजरा नगरपालिका अन्तर्गत लालबकैया नदीक सभ घाटसँ दोसर आदेश नहि आबएधरि तत्काल गिटी, बोल्डर, बाउल, मिक्सग्रभेल नहि उठाबएलेल घिमिरे ठेकेदार नागेन्द्र साहकेँ निर्देशन देलन्हि अछि ।
प्रमुख जिल्ला अधिकारी घिमिरक निर्देशनके संगहि अनुगमनमे रहल नेपाल प्रहरीक एसपी रवीराज खड्का, सशस्त्र प्रहरीक एसपी रवीनराज कर्णजित लालबकैयामे नदीजन्य पदार्थक उत्खनन् तथा ढुवानी रोकबालेल मातहतके प्रहरी युनिटसभकेँ निर्देशन देलन्हि ।
गुजरा आ फतुवा विजयपुर नगरपालिकाक सिमानामे परएबला लालबकैया नदीक नदीजन्य पदार्थ उठएबाक साह निर्माणसेवा ठेक्का लेने अछि ।
मुदा सरकारक नीतिविपरित नदीके बीच धारमे ठामठाममे जेसीबी आ स्काभेटर प्रयोग कऽ ठेकेदार नागेन्द्र साह पोखरीक स्वरुप पैघ खधिया बनओलाक कारण घिमिरे नदीजन्य पदार्थ नहि उठाबएलेल निर्देशन देलन्हि अछि ।
नेपाल सरकार तय कएने नीतिमे नदीके कातमे अधिकतम दु मिटरधरि खनि कऽ नदीजन्य पदार्थ उठएबाक व्यवस्था कएने अछि ।
मुदा ठेकेदार नागेन्द्र साह लालबकैया नदीक बोटवा, गर्जा, पशुपतिकातक घाटसहित दर्जनसँ अधिक स्थानमे जेसीबी आ स्काभेटर प्रयोग कऽ नदीजन्य पदार्थ निकालि कऽ नदीके बीचमे पैघ पोखरीजँका खधिया बनओने अछि । ठेकेदार साह दैनिक सयौँ ट्याक्टर आ दर्जनौँ टिप्परमार्फत लालबकैया नदीके दोहन करैत आबि रहल अछि ।
अनुगमनक क्रममे व्यक्तिगत लाभके लेल लालबकैया नदीके दोहनमे लागल ठेकेदार साहकेँ दोहन नहि रोकला पर थुनामे राखि कऽ कारबाहीके सेहो चेतावनी देलगेल अछि ।
लालबकैया नदीसँ बोल्डर, गिटी, ग्रेभल, बाउलसहितक सामग्री निकालि कऽ दर्जनौं ठेकेदार जिल्लाक विभिन्न स्थानमे भण्डारण कएने देखबामे आएल अछि ।
विभिन्न निर्माण कार्यमे लगबाक पूर्वयोजना अनुसार नदीजन्य पदार्थ नहि उठएबाक व्यवस्थाविपरित ठेकेदार तथा क्रसर उद्योगी अनाधिकृत रुपेँ नदीजन्य पदार्थक भण्डारण कएने अनुगमनमे पाओलगेल अछि ।
नदीके अवस्था आ ठेकेदारक गतिविधिके विषयमे स्थानीय तह निगरानी करबाक व्यवस्था अछि । मुदा गुजरा आ फतुवा विजयपुर नगरपालिकाक जनप्रतिनिधि लालबकैया नदीक अवस्थाप्रति उदासीन रहलाक कारण लालबकैया नदीक दोहन बढल संयुक्त अनुगमनटोलीक निष्कर्ष अछि ।
अनुगमन टोली लालबकैया नदीक विभिन्न घाटसभक अनुगमनके संगहि बौधीमाई नगरपालिका, फतुवाविजयपुर, गुजरासहितक स्थानीय तहमे सञ्चालित क्रसर उद्योगक स्थलगत अनुगमन निरीक्षण कएलगेल छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *