सुरक्षालेल आक्रमक बनबालेल आइजीपीक निर्देशन

काठमाण्डु फागुन २ गते ।नवनियुक्त प्रहरी महानिरीक्षक ठाकुर प्रसाद ज्ञवाली कोनो प्रकारक सुरक्षा चुनौतीकेँ समाधान करबालेल उच्च सतर्कताके साथ आक्रमक रुपेँ प्रस्तुत होबएलेल प्रदेश प्रहरी प्रमुखसभकेँ निर्देशन देलन्हि अछि ।
प्रहरी प्रधान कार्यालयमे भिडियो कन्फ्रेन्सद्वारा वृहस्पतिदिन सातु प्रदेश प्रहरी कार्यालयक निमित्त प्रमुखसभकेँ ज्ञवाली ई निर्देशन देलन्हि अछि ।
कोनो प्रकारक सुरक्षा चुनौतीके सामना करबालेल नेपाल प्रहरी सक्षम रहल कहैत ज्ञवाली आवश्यक्ताअनुसार प्रदेश आ स्थानीय सरकार तथा प्रशासनसँ समन्वय करैत उच्च प्रतिफल अएबाक हिसाबसँ काज निर्देशन देलन्हि अछि ।
कोनो घटना, दुर्घटना भेला पर तत्काल आवश्यक्ता अनुसार प्रहरी परिचालन कऽ विधि आ प्रक्रियासम्मत कानुनी कारबाही आगु बढएबाक ओ निर्देशन देलन्हि । अपन अपन प्रदेशक सुरक्षा चुनौतीके पहिचान कऽ उच्च रणनीतिके साथ समस्या समाधानमे लगबालेल ओ निर्देशन देलन्हि ।
प्रहरी कारबाहीके क्रममे मानवअधिकारक संरक्षण करबापर जोड दैत ज्ञवाली हिंसाजन्य क्रियाकपलापमे प्रहरीके संलग्नता अक्षम्य होएत ओ बतओलन्हि । राजमार्ग अवरोध, अवाञ्छित गतिविधिसहित अन्य आपराधिक गतिविधि नियन्त्रणमे पूर्ण सक्रियताके साथ काज करबापर ओ जोड देलन्हि ।
अन्तक्रियामे निमित्त प्रमुखसभ अपन अपन प्रदेशक शान्ति सुरक्षा एवं प्रहरीक काम कारबाहीक विषयमे जानकारी करओने छलथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *