गिरिजाप्रसाद कोइरालाक विषयमे प्रचण्डक अभिव्यक्तिप्रति कांग्रेसक आपत्ति

काठमाण्डु फागुन २ गते ।नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड बुधदिन देने एक अभिव्यक्तिप्रति प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस गम्भीर आपत्ति जनओलक अछि ।
प्रचण्ड पूर्वप्रधानमन्त्री एवं नेपाली कांग्रेसक तत्कालीन सभापति गिरिजाप्रसाद कोइरालाक विषयमे देने विवादित अभिव्यक्तिप्रति कांग्रेस आपत्ति जनओने अछि ।
प्रवक्ता विश्वप्रकाश शर्मा एक विज्ञप्ति जारी करैत माओवादीक नेतृत्वमे भेल हिंसात्मक विद्रोहक शान्तिपूर्ण अवतरण कराबएमे निर्णायक पहल कएन्हिार कोइरालाक जिम्मेवार आ परिपक्व भूमिकाकेँ अर्थहीन ढंगसँ विवादित बनएबाक प्रयास कएलगेल कहैत ई अराजनीतिक आ आपत्तिजनक रहल उल्लेख कएलन्हि अछि ।
विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि,‘फौजी आक्रमण कनिक बढादेबए परल आ सदरमुुकाम हारए परल कहि कऽ गिरिजाप्रसाद कोइराला यदि कहने रहिताह तऽ ई संवाद कोइराला जिवित रहल समय दाहाल पक्के सार्वजनिक करिताह । मुदा हुनकर निधन भेलाक एतेक वर्षबाद ऐतिहासिक तथ्यकेँ तोडमोड करबाक ढंगसँ एक जिम्मेवार नेतासँ गैर जिम्मेवार अभिव्यक्ति आएब दुःखद अछि ।’
तत्कालीन माओवादीक हिंसात्मक आक्रमणसँ देशकेँ मुक्त करबालेल कोइराला सहमति, सहकार्य आ एकताक राजनीति आगु बढओने कांग्रेस जनओलक अछि ।
‘ऐतिहासिक तथ्य ई अछि की माओवादीक हिंसात्मक आक्रमणसँ देशकेँ मुक्त करबालेल कोइराला सहमति, सहकार्य आ एकताक राजनीति आगु बढओने रहथि । हिंसाक राजनीतिकेँ सुरक्षित अवतरण कराबएमे सफल ढंगसँ संयोजन आ नेतृत्व कएने नेता हिंसात्मक आक्रमणके लेल प्रेरित कएलन्हि कहब अपनमे विरोधभासपूर्ण अछि,’ विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि ।
प्रवक्ता शर्माद्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि,‘जिम्मेवार ढंगसँ कार्य कएन्हिार कोइराला कोनो समय दाहालकेँ देने सुझाव सार्वजनिक रुपेँ स्मरण करबैत जिम्मेवार अभिव्यक्तिके लेल सेहो सजग करबैत छी ।’

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *