दिलीपके सहिद घोषणा करबालेल बाबाक माँग

जनकपुरधाम फागुन २ गते ।चुरे क्षेत्रमे अवैध उत्खनन्के विरोध करैत आबि रहलाक कारण धनुषाक मिथिला नगरपालिका–५ क २५ वर्षीय दिलीप महतोक हत्या भेल भारतक मध्य प्रदेशमे इन्जिनियरिङ अन्तिम वर्षमे अध्ययनतर दिलीप घटना हएबासँ १० दिन पहिनेमात्र घर आएल छलथि ।
विद्यालयमे अध्ययन करबाक समयसँ अवैध उत्खनन्के विरोध करैत आएल दिलीप एहिबेर क्रसर माफियाक निशानामे पर परलथि आ जान गुमाबए परल । ओना उत्खनन्के विरोध कएन्हिार दिलीपकेँ विभिन्न प्रकारक प्रलोभनसँ जान मारबाक धम्की सेहो अबैत छल । मुदा चुरे बँचाबएलेल अवैध उत्खनन् नहि होबए देबाक दिलीपक सोँचकेँ नहि तऽ प्रलोभन झुका सकल आ नहि कोनो धम्की ।
गत पुष २५ गते घर कातक औरही नदीमे उत्खनन् भऽ रहल हुनका जानकारी आएल । भिन्सर करिब ४ बजे दिलीप नदीतर्फ पहुँचलन्हि मुदा घर नहि घुरलथि । केवल हुनकर शव घर फिर्ता आएल । उत्खनन् माफियासभ टिप्परसँ पीच कऽ दिलीपक हत्या कऽ देलक ।
दिलीपक परिवारक सदस्यसभ हुनका पर्यावरणीय सहिद घोषणा करबाक माँग कऽ रहल छथि । पर्यावरण बँचाबएलेल उत्खनन्के विरोध कएलाक कारण जान गुमओने दिलीप पर्यावरणीय सहिद घोषणा हएबाक चाही हुनक परिवारक सदस्यसभक कहब अछि ।
‘पोता आब घुरि कऽ नहि आओत, अपराधीसभ दिलीपकेँ संसारसँ पठा देलक,’ ७० वर्षीय बाबा रामश्रेष्ठ महतो कहलन्हि,‘कमसँ कम सरकार दिलीपकेँ पर्यावरणीय सहिद घोषणा कऽ दौक ।’
युवाअवस्थामे सभकेँ छोडि कऽ चलिगेल दिलीप अमर हुए हुनकर बाबाक इच्छा अछि । ‘ओ तऽ आब कहियो नहि घुरत, हमरासभकेँ बुझल अछि, मुदा सहिद घोषणा कऽ अमर भऽ जाए हमरासभक इच्छा अछि,’ ओ कहलन्हि । इन्जिनियर बनि कऽ देशक सेवा करबाक दिलीपक सपना पूरा नहि भऽ सकल ओ बतओलन्हि ।
‘परिवारक ९÷१० गोटेकेँ डाक्टर बनएलौँह, ओकरा सेहो डाक्टर पढबालेल कहने छलौँह, मुदा नहि मानलक,’ रामश्रेष्ठ कहैत छथि,‘ओकरा इन्जिनियर बनि कऽ देशक सेवा करबाक इच्छा छल । समाजमे होबएबला गलत बातकेँ ठीक करए चाहैत छल । आ, ओकर ओहाय स्वभाव काल बनल ।’
चुरे क्षेत्रक नदीमे होबएबला उत्खनन्के सुरुएसँ दिलीप विरोध करैत छल स्मरण करैत ओ कहलन्हि,‘चुरे क्षेत्रक उत्खनन् नहि रुकल तऽ तराई क्षेत्र मरभूमि बनत आ देशकेँ पैघ क्षति होएत ओ कहैत छल । आ, एहि गतिविधिकेँ हरेकक्षण विरोध करबाक ओकर स्वभावे बनि चुकल छल ।’
विभत्स तरिकासँ हत्या कऽ कऽ फेकलगेल दिलीपक शव एखनो हुनकर मास्तिष्कमे ताजा अछि । एतेक उमेर भेलाक बादो दिलीपजँका विभत्स शव कहियो नहि देखने ओ बतबैत छथि । चुरे क्षेत्र संरक्षणके लेल जान देलाक कारण दिलीपकेँ पर्यावरणीय सहिद घोषणा करएबाक कार्यमे सहयोग करबालेल हुनकर आग्रह अछि ।
प्रहरीके अनुसन्धानप्रति असन्तुष्टि
दिलीपक हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे प्रहरी क्रसर व्यवसायी विपिन महतोसहित ६ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ अनुसन्धान कऽ रहल अछि । परिवारक सदस्यसभक अनुसार विपिन घटनाक तीन दिनदिन पहिने दिलीपकेँ हत्या करबाक धम्की देने छल । पकराएल सभगोटे विरुद्ध प्रहरी हत्याक मुद्दा चलओने अछि ।
मुदा प्रहरीक अनुसन्धानप्रति दिलीप परिवाक सदस्यसभ सन्तुष्ट नहि देखलगेल छथि । प्रहरी हत्यामे संलग्न व्यक्तिसभकेँ गिरफ्तार कएलाक बादो योजनाकार एखनो बाहर रहल दिलीपक बाबाके संगहि हुनकर बहिनसभक दावा अछि ।
हत्याराकेँ सजाय दिआबएलेल प्रहरीके जाहि प्रकारेँ काज करबाक चाही छल ओहि प्रकारेँ नहि भेल दिलीपक बाबा राश्रेष्ठकेँ बुझाइत छन्हि । हुनक अनुसार हत्यामे संलग्नसभ पकरएलाक बादो मुख्य योजनाकार एखनो प्रहरीके नियन्त्रणमे नहि आबि सकल अछि । पकराएल सभगोटे मुख्य योजनाकारक मतियारमात्र रहल हुनकर कहब अछि ।
‘प्रहरी ६ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेने अछि, ओसभ हत्यामे संलग्न रहलाक बादो मुख्य योजनाकार अन्य केऊ रहल हमरासभके बुझा रहल अछि, ओकरा प्रहरीकेँ नियन्त्रणमे लेबए परल,’ ओ कहलन्हि ।
तहिना दिलीपक बहिन लक्ष्मी आ संगमसेहो प्रहरीक एखनधरिके कामकारबाहीसँ असन्तुष्ट छथि । पकराएल व्यक्तिसभ हत्यामे संलग्न रहलाक बादो मुख्य योजनाकार एखनो खुल्ला रुपेँ बाहर घुमि रहल ओसभ बतओलीह ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *