महेन्द्रनगर बमकाण्डः मुख्य योजनाकार गिरफ्तार

जनकपुरधाम फागुन २ गते । धनुषाक महेन्द्रनगरमे एक प्रहरी निरीक्षकसहित तीन गोटेक मृत्यु भेल बम विस्फोट घटनाक मुख्य आरोपीमेसँ एक गोटेकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक अछि । नेत्रविक्रम चन्द (विप्लव) समूहक प्रदेश २ ब्यूरो सदस्य इन्दलप्रसाद साह पकराएल अछि । साहकेँ प्रहरी सप्तरीसँ नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
ईलाका प्रहरी कार्यालय कडरोनासँ खटल प्रहरी सप्तरीक सुरुङ्गा नगरपालिका–६ सरस्वतीपुर निवासी ३४ वर्षीय साह किछु महिना पहिने प्रहरी निरीक्षक अमिर दाहालसहित तीन गोटेकेँ मृत्यु भेल धनुषाक महेन्द्रनगरमे भेल बम विस्फोटक योजनाकार सेहो रहल प्रहरीके दावा अछि ।
साहविरुद्ध हत्या, हत्याक प्रयास, विस्फोटक पदार्थ तथा संगठित अपराध मुद्दा दर्ता भेलाक कारण कारबाहीके लेल धनुषा पठाओलगेल अछि । बम विस्फोटक घटनामे संलग्न रहल आरोपमे धनुषा प्रहरी एखनधरि आदम राईनसहित सात गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ चुकल अछि ।
आदमकेँ प्रहरी धनुषाक हंसपुर नगरपालिकाक बेलहीसँ नियन्त्रणमे लेने छल । आदम बम विस्फोट घटनाक मुख्य योजनाकार रहल कहैत अनुसन्धान आगु बढओने अछि । बम विस्फोटसँ पहिने आ बादमे देखलगेल फोन रेकर्डक आधार पर प्रहरी राईनके नियन्त्रणमे लेने छल । आदम विप्लव नेतृत्वक नेकपाक केन्द्रीय सदस्य रहल बताओलगेल अछि ।
अगहन २७ गते राति १५ बजे धनुषाक क्षिरेश्वरनाथ–५ स्थित महेन्द्रनगरमे राजेश साहक घरमे भेल बम विस्फोटमे प्रहरी निरीक्षक दाहाल, साह आ हुनक बेटाक निधन भऽ गेल छल ।
बम विस्फोटके दु महिनासँ अधिक भऽ गेलाक बादो प्रहरी घटनाक सत्यतथ्यके विषयमे एखनधरि कोनो रहस्य सार्वजनिक नहि कऽ सकल अछि । घटनाक विषयमे एखनो अनुसन्धान जारी रहल धनुषा प्रहरीके कहब अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *