राजर्षि जनक विश्वविद्यालयमे नेविसंघक ताला

जनकपुरधाम फागुन १ गते ।जनकपुरस्थित राजर्षि जनक विश्वविद्यलायमे नेपाल विद्यार्थी संघ (नेविसंघ) आवद्ध विद्यार्थीसभ तालाबन्दी कएलक अछि । ओसभ विश्वविद्यालयक उपकुलपति आ डीनक कार्यालयमे बुधदिन तालाबन्दी कएलन्हि अछि ।विश्वविद्यालय विद्यार्थी भर्ना प्रक्रियामे अनियमितता कएलाक कारण तालाबन्दी कएने नेविसंघ धनुषाक पूर्वअध्यक्ष सुजीत मिश्र बतओलन्हि । विद्यार्थी भर्ना आ छात्रवृत्ति वितरणमे विश्वविद्यालय अनियमितताके संगहि आर्थिक लेनदेन कएने मिश्र आरोप लगओलन्हि ।
विश्वविद्यालयक डीन जुगेश्वर साह विद्यार्थीसभ तालाबन्दी कएलाक बादो एकर कारणके विषयमे अपनासभकेँ कोनो जानकारी नहि रहल बतओलन्हि । विद्यार्थीसभकेँ कोनो असन्तुष्टि अछि तऽ बातचित कएल जा सकैत अछि ओ बतओलन्हि ।
राजर्षि जनक विश्वविद्यालय स्थापना भेला किछुएदिन भेलाक बाद विभिन्न कारणसँ विवादमे परैत आबि रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *