बिना ‘ग्यारेन्टी’ युवाकेँ ऋण देबासँ बैंकद्वारा इन्कार

काठमाण्डु फागुन १ गते ।सरकार युवा वर्गकेँ लक्षित कऽ लओने सहुलियतपूर्ण कर्जा कार्यत्रम असफल भेल देखबामे आएल अछि । नेकपाक अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीक नेतृत्वमे बनल सरकार युवा वर्गकेँ लक्षित कऽ सहुलियपूर्ण कर्जाक कार्यक्रम लओने छल । २०७५–०७६ के बजेटमार्फत लाओलगेल एहि कार्यक्रमसँ एखनधरि २१४ गोटे मात्र सहुलियतपूर्ण कर्जा लेने अछि ।
सरकार युवाकेँ लक्षित कऽ शिक्षित युवा स्वरोजगार कार्यक्रम, विदेशसँ घुरल युवा परियोजना कर्जा आ उच्च प्रविधि तथा व्यवसायिक शिक्षा कार्यक्रमसहित तीनटा सहुलियतपूर्ण कर्जा कार्यक्रम आगु बढओने अछि । मुदा एहि कार्यक्रमसँ लाभ पाबएबला युवाक संख्या कम देखलगेल अछि ।
२०६८ के जनगणना अनुसार नेपालमे युवाक संख्या १ करोड ६ लाख अछि । ई संख्या १६ सँ ४० उमेर समूहक रहल तथ्यांक विभाग जनओलक अछि । ओहिमेसँ ६० प्रतिशत युवा बेरोजगार रहल राष्ट्रिय युवा परिषद्के तथ्यांक अछि ।
शिक्षित युवा स्वरोजगार कार्यक्रमअन्तर्र्गत कर्जा लेबएबला युवाक संख्या ४१ मात्र अछि । जाहिमेसँ ३९ गोटे वाणिज्य बैंकसँ आ विकास बैंकसँ दु गोटे मात्र ऋण लेने अछि । ग वर्गक वित्तीय संस्थासँ एहि शीर्षकमे कर्जा प्रवाह नहि भेल अछि ।
तहिना विदेशसँ घुरल युवा परियोजना कार्यक्रमअन्तर्गत ऋण लेबएबला युवा १०७ अछि । ओहिमेसँ १०५ गोटे वाणिज्य बैंकसँ आ दु गोटे विकास बैंकसँ ऋण प्राप्त कएने नेपाल राष्ट्र बैंक जनओने अछि ।
तहिना उच्च प्रविधि तथा व्यवसायिक शिक्षा कार्यक्रमअन्तर्गत ऋण लेबएबलाके संख्या सेहो कम अछि । राष्ट्र बैंक उपलब्ध करओने विवरणअनुसार एहि शीर्षकमे ६६ युवा मात्र कर्जा लेने अछि । ओहिमेसँ ६५ गोटे विभिन्न वाणिज्य बैंक आ एक गोटे विकास बैंकसँ एहि शीर्षकमे कर्जा लेने राष्ट्र बैंक जनओलक अछि ।
युवासभकेँ स्वरोजगार बनएबाक उद्देश्यसँ सरकार ई कार्यक्रम आगु बढओने छल । राष्ट्र बैंक सहुलियतपूर्ण कर्जाक लेल ब्याज अनुदानसम्बन्धी एकीकृत कार्यविधि २०७५ बना कऽ बैंक तथा वित्तीय संस्थासभकेँ एहन कर्जा प्रवाह करबाक निर्देशन देने छल । मुदा वित्तीय संस्था सरकारक सोँच अनुसार कर्जा प्रवाह नहि कऽ सकल अछि ।
बैंकर्स एसोसिएसनक अध्यक्ष भुवनकुमार दाहाल सरकारी कार्यक्रमके कार्यान्वयन करएबला बैंक तथा वित्तीय संस्थासभक बाध्यता रहलाक बादो ओसभ लगानीके सुनिश्चितता खोजि रहल बतओलन्हि ।
‘बैंकसभ बिना ग्यारेन्टी ऋण प्रवाह नहि करैत अछि, ओसभ कर्जाक जोखिम नहि लेबए चाहैत अछि,’ दाहाल कहलन्हि,‘सरकार कतेको कार्यक्रममे कर्जा छुट दैत आएल अछि, जाहि कारण सकरारक कार्यक्रममार्फतके ऋण नहि तिरबाक सम्भावना रहैत अछि । एहि कारण बैंकसभ एहि कार्यक्रमप्रति आकर्षित नहि भेल अछि ।’
राष्ट्र बैंकक तथ्यांक अनुसार ६४.७ प्रतिशत कर्जा घरजग्गक ग्यारेन्टीमार्फत प्रवाह होइत आएल अछि । मुदा युवासभसँ ग्यारेन्टी रखबालेल अपन नाम पर घरजमीन नहि रहलाक कारण ओसभ ऋण नहि लऽ सकैत अछि ।
राष्ट्र बैंकक प्रवक्ता गुणाकर भट्ट राष्ट्र बैंक सहुलियतपूर्ण कर्जा प्रवाहके लेल सहजीकरण कऽ रहल बतओलन्हि । सहुलियतपूर्ण कर्जाके लेल ब्याज अनुदानसम्बन्धी एकीकृत कार्यविधि २०७५ अनुसार एहन कर्जा प्रवाहमे राष्ट्र बैंक पाँच प्रतिशत ब्जाज अनुदान दऽ रहल ओ बतओलन्हि ।
सरकार शिक्षित युवा स्वरोजगार कार्यक्रमके लेल सात लाख विदेशसँ घुरल युवा परियोजना कर्जाके लेल १० लाख आ उच्च आ प्रविधि तथा व्यवसायिक शिक्षा कार्यक्रमके लेल पाँच लाख रुपैयाँ धरिके कर्जामे ब्याज अनुदान देबाक कार्यक्रम आगु बढओने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *