देउवा पौडेलबीच विवाद समाधान करबाक सहमति

काठमाण्डु पुस २८ गते ।नेपाली कांग्रेसक आन्तरिक विवाद समाधानके लेल पार्टी सभापति शेरबहादुर देउवा, वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेल आ कृष्णप्रसाद सिटौलाबीच विमर्श भेल अछि ।
सभापति देउवा निवास बुढानिलकण्ठमे रविदिन साँझ भेल तीनु शीर्ष नेताबीच विमर्श भेल केन्द्रीय सदस्य रमेश लेखक जानकारी देलन्हि ।
हुनकअनुसार सहमतिमे पार्टीभितर देखलगेल विवाद समाधानके लेल तीनु नेता सहमत भेल छथि । ओ कहलन्हि,‘वरिष्ठ नेता काल्हि दिल्ली जा रहल छथि । ओ तीन चारि दिनबाद घुरताह । एहि बीचमे विमर्श कऽ विवाद समाधान करबाक सहमति भेल अछि ।’
एहिसँ पहिने शनिदिन सभापति देउवा पौडेल आ सिटौलाकेँ फोन कऽ पार्टी विवाद समाधान करबालेल रविदिन बातचित करबालेल आग्रह कएने छलथि ।
कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिक बैठक अगहन २६ गतेसँ नहि भऽ सकल अछि । विभाग गठन, महाधिवेशनक कार्यतालिकासहितक विषयमे संस्थापन इतर समूह बैठक बहिष्कार कएने छल ।
पुष ११ गते बैसल केन्द्रीय कार्यसमितिक बहुमत बैठक महाधिवेशनक कार्यतालिका सार्वजनिक कएने छल । पौडेल पक्ष ओहि निर्णयके खारिज करबाक माँग कएने छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *