संसदमे पहुँचल दिलिप हत्या प्रकरण

जनकपुरधाम पुस २८ गते ।राष्ट्रियसभाक सांसदसभ अवैध उत्खनन रोकबाक क्रममे टिपरसँ पिच कऽ हत्या कएलगेल धनुषाक दिलिप महताके वास्तविक दोषीकेँ कडासँ कडा कारबाही करबाक माँग कएलन्हि अछि ।
राष्ट्रियसभाक रविदिनके बैठकमे बजैत राजपाक सांसद वृषेशचन्द्र लाल वातावरण आ नदीक संरक्षणकबात कएला पर दिलिपकेँ टिपरसँ पिच कऽ हत्या भेलाक बादो ओहि विषयमे प्रहरी प्रशासन कियाक चुप रहल कहैत प्रश्न कएलन्हि । ‘बिना मुचुलका प्रहरी शव उठओने अछि, ओहिमे प्रहरी प्रशासनके मिलिभिगत भऽ सकैत अछि, एहिसँ देशक शान्ति सुरक्षाक अवस्था नजर अबैत अछि,’ ओ कहलन्हि ।
सांसद डा.विमला राई पौडेल दिलिप हत्या प्रकरणमे संलग्न व्यक्तिकेँ सजायमात्र नहि दऽ आगामी दिनमे फेरसँ एहि प्रकारक घटना नहि हुए एकर सुनिश्चितता पर जोड देलीह । ओ कहलीह,‘क्रसर उद्योग रोकए परत, उत्खनन नियमन होबए परत, रोडागिट्टी आ बाउलक अवैध उत्खननके दीर्घकालीन सममाधान खोजए परत, राष्ट्रपति चुरे तराई मधेश विकास बोर्ड अवैध क्रसर उद्योग रोकबालेल की काज कऽ रहल छैक जबाब चाही ।’
सांसद कोमल वली दिलिप महतोक हत्याक विरोध करैत अपराधीकेँ कडा कारबाही करबाक संगहि ओहि घटनामे जनतामे देखलगेल त्रासके वातावरण हटएबाक माँग कएलीह । ‘मानवता कमजोर भेल छैक, एहि घटनामे प्रहरी प्रशासन मौन देखलगेल अछि, राज्यमे सरकार अछि, प्रहरी प्रशासन अछि, प्रहरी प्रशासनप्रति विश्वास करबाक अवस्था नहि अछि,’ ओ कहलीह ।
सांसद प्रमिला कुमारी पछिला समय देशमे हत्या, हिंसा बढैत जा रहल कहैत सरकारक ध्यानाकर्षण करओलीह ।
एहिबीच राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग दिलिपक हत्या घटनाके सत्यतथ्य छानबिन कऽ दोषीके कारबाही करबालेल सरकारसँ माँग कएलक अछि ।
‘निष्पक्ष आ प्रभावकारी अनुसन्धानमार्फत घटनाक सत्यतथ्य उजागर कऽ दोषीकेँ कानुनअनुसार कारबाही करबालेल आ पीडितकेँ क्षतिपूर्तिके लेल आयोग सरकारक ध्यानाकर्षण करैत अछि,’ विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि ।
आयोगक अध्यक्ष अनुपराज शर्मा एहि प्रकारक घटना होएब दुःखद रहलाक कारण ओकर कानुनी प्रक्रिायक विषयमे नजदिकसँ अनुगमन कऽ रहल बतओलन्हि अछि । घटनाक अनुगमन तथा अनुसन्धानके लेल आयोगक प्रदेश २ कार्यालयक टोली घटनास्थल पहुँचल ओ बतओलन्हि अछि ।
घटनासँ वातावरण संरक्षणमे लागल व्यक्तिकेँ जीवनक अधिकार तथा नेपाल हस्ताक्षर एके नागरिक तथा राजनीतिक अधिकारसम्बन्धी प्रतिज्ञापत्र, १९६६ के उल्लंघन रहल आयोग जारी कएने विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि । एहि सन्दर्भमे वातावरण संरक्षण अभियानकर्मीक टोली आयोगमे ज्ञापनपत्र बुझओने छल ।
घटनाक निष्पक्ष आ प्रभावकारी छानबिन कऽ दोषीकेँ कानुनी कारबाहीके माँग करैत ओसभ आयोगक अध्यक्ष शर्माकेँ ज्ञापनपत्र बुझओन छल ।
एम्हर दिलिपक हत्यारके कारबाहीके माँग करैत धनुषाक ढल्केबरमे प्रदर्शन भेल अछि । हत्यामे संलग्न व्यक्तिसभकेँ कारबाहीके माँग करैत ढल्केबरमे प्रदर्शन भेल छैक । सामुदायिक वन उपभोक्ता महासंघ प्रदेश २ दोषीकेँ कारबाहीके माँग करैत रविदिन प्रदर्शन कएने छल ।
ढल्केबर चौकसँ निकलल ¥याली नगरक विभिन्न भागक परिक्रमा करैत स्थानीय सहिद चौक पहुँच कऽ कोणसभामे परिणत भेल छल । कोणसभामे बजैत वक्तासभ दोषीके जन्मकैद, दिलिपकेँ पर्यावरण सहिद घोषणा सहितक माँग कएने छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *