उमाके याद करैत मनाओलगेल स्मृति दिवस

जनकपुरधाम पुस २८ गते ।सहिद पत्रकार उमा सिंहक ११ अम स्मृति दिवस रविदिन जनकपुरमे मनाओलगेल अछि । दश वर्ष पहिने पुष २७ गते साँझ पत्रकार उमाके जनकपुरमे हत्या कएलगेल छल ।
नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखा आयोजना कएने स्मृति सभामे बजैत सहभागी पत्रकारसभ संविधान स्वतन्त्र पत्रकारिताक बात कएलाक बादो व्यवहारमे एखनो लागू नहि भऽ सकल बतओलन्हि । पत्रकार सरकार आ जनताबीच संवाहकके भूमिका निर्वाह करैत आबि रहलाक बादो बेरबेर पत्रकारेपर आक्रमण होएत निन्दनीय रहल ओसभ उल्लेख कएलन्हि ।
किछुदिन पहिने जनकपुर उपमहानगरपालिका कार्यालयभितर पत्रकारउपर कएलगेल आक्रमणक प्रसंग निकालैत वक्तासभ सूचना लेबएगेल समय सेहो पत्रकारउपर आक्रमण होएब दुर्भाग्यपूर्ण रहल उल्लेख कएलन्हि ।
निश्पक्ष आ यथार्र्थ लिखएबलाकेँ धम्कीके समाना करए परिरहल कहैत कायृक्रमक वक्तासभ पत्रकारक सुरक्षाक प्रत्याभूति नहि होएब दुर्भाग्यपूर्ण रहल बतओलन्हि ।
जनकपुरक स्थानीय रेडियोमे कार्यतर पत्रकार उमाक २०६५ पुष २७ गते जनकपुर–१४ रजौलस्थित डेरामे एक समूह धरगर हथियार प्रहार कऽ हत्या कएने छल । आक्रमणमे गम्भीर घायल उमाकेँ इलाजके लेल काठमाण्डु लऽ जाइतकाल रास्तामे मृत्यु भेल छल ।
नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाक अध्यक्ष अनिल मिश्रके अध्यक्षतामे सम्पत्र कार्यक्रममे प्देशसभा सदस्य एवं महासंघ धनुषा शाखाक पूर्वअध्यक्ष रामअशिष यादव, पूर्वअध्यक्ष माधव आचार्य, उमेश साह, वरिष्ठ पत्रकार बीएम खनालसहितक पत्रकारसभ स्वतन्त्र पत्रकारिताक वातावरण निर्माणमे राज्यके ध्यान देबाक आवश्यक्ता रहल बतओलन्हि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *