राष्ट्रियसभा निर्वाचनः निधि आ यादव कएलन्हि मतदातासभसँ अन्तरक्रिया

जनकपुरधाम पुस २८ गते ।राष्ट्रियसभामे रिक्त होबए जा रहल पदके लेल आगामी माघ ९ गते निर्वाचन होबए जा रहल अछि । प्रदेश २ सँ चारिटा सीटके लेल निर्वाचन होबए जा रहल अछि । चुनावमे सत्तासीन नेकपा राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) आ नेपाल कांग्रेस किछुदिन पहिनेमात्र सरकारसँ बहराएल समाजवादी पार्टीसँ गठबन्धन कएने अछि ।
सातु प्रदेशमे राष्ट्रियसभा सदस्यक निर्वाचन भऽ रहलाक बादो प्रदेश २ सभक महत्वके विषय बनल अछि । एहिसँ दु वर्ष पहिने राष्ट्रियसभा निर्वाचनमे कांग्रेस आ समाजवादी पार्टी (तत्कालीन संघीय समाजवादी फोरम) सँ सहकार्य कऽ चुनाव लडल राजपा नेकपासँ गठबन्धन कएलाक बाद प्रदेश २ मे राष्ट्रियसभा निर्वाचन आओर रोमाञ्चक बनल अछि ।
प्रदेश २ मे समाजवादी आ राजपा गठबन्धनके सरकार अछि । मुदा राष्ट्रियसभा निर्वाचनमे दुनु दल आमने सामने अछि । राष्ट्रियसभा सदस्य निर्वाचन नजदिक आबि रहल समय दलक शीर्ष नेतासभ अपन अपन गठबन्धनक उम्मेदवारकेँ निर्वाचित कराबएलेल जोडतोड लगओने छथि ।
नेपाली कांग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि विगत दु दिनसँ जनकपुरमे छथि । शनिदिन जनकपुर पहुँचल उपसभापति निधि राष्ट्रियसभा सदस्य निर्वाचनक मतदातासभसँ भेटघाट आ छलफलके तिव्रता देने छथि । शनिदिन जनकपुरमे मतदातासभसँ भेँटघाँट कएने ओ रविदिन महोत्तरीक बर्दिवासमे जमघटमे सहभागी भेल छलथि ।
समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सेहो उपस्थित बर्दिवास जमघटमे मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतक संगहि दुनु दलक प्रदेशसभा सदस्य तथा स्थानीय तहमे दुनु दलसँ प्रतिनिधित्व कएन्हिार अध्यक्ष÷उपाध्यक्ष, मेयर÷उपमेयर सहभागी छलथि ।
जमघटमे बजैत उपसभापति निधि वर्तमान कम्युनिस्ट सरकार प्रदेशकेँ अधिकारविहीन बना कऽ संघीयताके समाप्त करबातर्फ उद्यत रहलाक कारण सेहो संघीयतापक्षधर गठबन्धनक उम्मेदवारकेँ निर्वाचित कराबएलेल अपील कएलन्हि । संख्याक हिसाबसँ चारिटा सीट कम रहलाक बादो संघीयता आ लोकतन्त्रके लेल महत्वपूर्ण रहलाक कारण एकजुट भऽ कऽ मदतान करबालेल मतदातासभसँ ओ आग्रह कएलन्हि ।
तहिना समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष यादव केपी ओली नेतृत्वक सरकार संविधान संशोधनतर्फ कनिको गम्भीर नहि रहल आरोप लगओलन्हि । संविधान संशोधन आ संघीयता जोगाबएलेल सेहो कांग्रेस–समाजवादी गठबन्धनक उम्मेदवारके पक्षमे मतदातासभ मतदान करताह ओ विश्वास व्यक्त कएलन्हि ।
एहिसँ पहिने शनिदिन जनकपुरमे उपभासपति निधि पार्टीसँ प्रतिनिधित्व कएन्हिार प्रदेशसभा सदस्य तथा स्थानीय तहक अध्यक्ष÷उपाध्यक्ष तथा मेयर÷उपमेयरसभसँ विमर्श कएने छलथि । विमर्शक क्रममे दुनु दलक उम्मेदवारसहित प्रदेश २ सँ प्रतिनिधित्व कएन्हिार कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्यसहितक नेतासभक उपस्थिति छलन्हि ।
गणितीय हिसाबसँ प्रदेश २ मे नेकपा–राजपा गठबन्धन मजबुत रहला बादो कांग्रेस आ समाजवादी पाटी अपन गठबन्धनक उम्मेदवार राष्ट्रियसभा निर्वाचनमे निर्वाचित होएत दावा करैत आबि रहल अछि ।
राष्ट्रियसभा निर्वाचनके लेल कांग्रेससँ भोला पंजियार आ नगिना देवी यादव आ समाजवादी पार्टीसँ रामपृत पासवान आ अनिरुद्ध सिंहके टिकट भेटल अछि ।
तहिना राजपासँ मृगेन्द्रसिंह यादव आ शेखर सिंह चुनावी मैदानमे छथि । दुनु गोटे सप्तरी निवासी छथि । मृगेन्द्र सिंह राजपा अध्यक्षमण्डलक संयोजक राजेन्द्र महतो आ शेखर सिंह अध्यक्षमण्डल सदस्य शरतसिंह भण्डारी निकट मानल जाइत छथि । राष्ट्रियसभा सदस्यके लेल टिकट भेटल मृगेन्द्र पञ्चायती व्यवस्थामे तीनबेर क्षेत्रीय प्रशासक बनि चुकल छथि तऽ समाजवादी पार्टीसँ टिकट भेटल अनिरुद्ध सिंहक अपने भैया सेहो छथि । एम्हर नेकपासँ राधेश्याम श्रेष्ठ आ तुलसा दाहाल चुनावी मैदानमे छथि ।
नेकपासँ गठबन्धन भेलाक बाद राजपाभितर असन्तुष्टि बनल पार्टी स्रोतक दावा अछि । यद्यपि शीर्ष नेतासभ पार्टीभितर देखलगेल असन्तुष्टिके साम्य करबाक प्रयासमे रहल राजपाक एक नेता जानकारी देलन्हि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *