दिलिप हत्या प्रकरणः ढल्केबरक प्रहरी निरीक्षककेँ बजाओलगेल जिल्ला

जनकपुरधाम पुस २८ गते ।अवैध उत्खननके विरोध कएन्हिार धनुषाक दिलिप उपनामक ओमप्रकाश महतो हत्या घटनामे ईलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केबरक प्रहरी निरीक्षक रामकुमार यादवकेँ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा फिर्ता बजाओलगेल अछि । मिथिला नगरपालिका–५ श्रीपुरक २५ वर्षीय दिलिपके शुक्रदिन भिन्सर हत्या भेल छल ।
प्रहरी निरीक्षक यादव दिलिप हत्याक घटनामे गम्भीरता नहि देखओलाक कारण ईलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केबरसँ जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे फिर्ता बजाओलगेल अछि । यादव इलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केबरक इन्चार्ज छलथि ।
प्रहरी निरीक्षक यादवकेँ रविदिन जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे फिर्ता बजाओलगेल प्रदेश २ क प्रहरी प्रमुख डीआइजी प्रद्युम्न कार्की जानकारी देलन्हि । यादवकेँ जिल्ला फिर्ता बजाओलगेलाक बादो कारबाही नहि कएलगेल ओ बतओलन्हि । आन्तरिक व्यवस्थापन करबालेल यादवकेँ जिल्ला फिर्ता बजाओलगेल कार्कीके कहब छलन्हि ।
शुक्रदिन भिन्सर दिलिपके शव भेटल स्थानमे प्रहरी मुचुलकासेहो तयार नहि कएने पीडित परिवार आरोप लगओने छल । प्रहरी घटनास्थलके मुचुलका तैयार नहि कऽ शवकेँ सोझे गाडीमे राखि कऽ अस्पताल पहुँचओने दिलिपक परिवारक सदस्यसभ बतओने छल । शवकेँ धनुषाक लालगढस्थित मोडेल अस्पतालमे पहुँचाओल जाएत कहलगेलाक बादो प्रादेशिक अस्पताल जनकपुर लएबाक संगहि गाडीमे सेहो परिवारक सदस्यकेँ सेहो नहि बैसए नहि देलगेलाक बादो दिलिपक परिवार प्रहरीउपर शंका व्यक्त कएने छलथि ।
भारतक मध्य प्रदेशस्थित भोपालमे इन्जिनियरिङ पढि रहल दिलिप नदीमे होबएबला अवैध उत्खननके विरोध करैत आबि रहल छलाह । दश दिनपहिने मात्र घर आएल ओ एहिसँ पहिने सेहो अवैध उत्खननके विरोध कएने छलथि । आ, एहि कारण दिलिप अवैध उत्खनन कएन्हिारसभक आँखिक निशाना बनलन्हि ।
नदीमे अवैध उत्खनन भऽ रहल जानकारी भेलाक बाद दिलिप शुक्रदिन भिन्सर ओम्हर गेल रहथि । मुदा उत्खननमे संलग्न व्यक्तिसभ हुनकर हत्या कऽ देलक । उत्खननके विरोध कऽ रहल समय ओतह रहल किछु व्यक्ति दिलिपक कोखमे लोहाक लिभरसँ आक्रमण कएने छल । जकरबाद बेहोस भेल दिलिपकेँ नदीमे सुता कऽ टिपरसँ पिच कऽ हत्या कएलगेल प्रहरीके अनुसन्धानसँ खुजल अछि । दिलिपकेँ घायल बना कऽ ना ७ च ६४१३ नम्बरक टिपरसँ पिच कऽ हत्या कएलगेल अनुसन्धानसँ खुजल धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक रमेश बस्नेत बतओलन्हि अछि ।
दिलिपक हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे प्रहरी क्रसर सञ्चालकसहित चारि गोटेके नियन्त्रणमे लेने अछि । प्रहरी क्रसर सञ्चालक विपिन महतो, टिपर चालक मुनिन्द्र महतो, लोडर चालक जितेन्द्र महतो आ किसान रोशनकुमार यादवकेँ नियन्त्रणमे लेने प्रहरी उपरीक्षक बस्नेत बतओलन्हि ।
प्रारम्भिक अनुसन्धानक क्रममे चारि गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेलेल बतबैत बस्नेत घटनामे अन्यके संलग्नता देखलगेलाक बाद ओकरासभकेँ सेहो जल्दिए नियन्त्रणमे लेल जाएत बतओलन्हि ।
शुक्रदिन भिन्सर हत्या भेल दिलिपक शवके पोस्टमार्टम शनिदिन साँझमे भेल छल । प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे चारिटा चिकित्सक करिब तीन घण्टाधरि शवकेँ पोस्टमार्टम कएने छल ।
घटनास्थल नजदिक शनिदिन राति दिलिपक अन्त्येष्टि कएलगेल अछि । औरही नदीक घटनास्थलसँ करिब सय मिटर दुर हुनकर अन्त्येष्टि कएलगेल अछि । दिलिपक ७५ वर्षीय बाबा रामपृत महतो दागबत्ती देने छलथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *