भारतीय विदेशमन्त्रीद्वारा अमेरिकासहित विभित्र देशक समकक्षीसँ फोनवार्ता

एजेन्सी नयाँ दिल्ली पुस २२ गते ।भारतक विदेशमन्त्री एस जयशंकर खाडी क्षेत्रमे हालहि शुरु भेल खाडी क्षेत्रक तनावक विषयकेँ लऽ कऽ अमेरिकासहितक किछु देशक समकक्षीसँ वार्ता कएलन्हि अछि ।विदेशमन्त्री जयशंकर अमेरिकी विदेशमन्त्री माइक पोम्पेओ, संयुक्त अरब इमिरेट्सक शेख अब्दुल्लाह बिन जायद अल नयन आ ओमानक परराष्ट्र मन्त्री युशुफ बिन अलादी बिन अब्दुल्लाहसँ फोन वार्ता कएने जनाओलगेल अछि ।
ओ पछिला समय खाडी देशमे विकास भेल अवस्थाकेँ लऽ कऽ अमेरिका, युएई आ ओमनके विदेशमन्त्रीसभसँ फोनवार्ता कएने अपन ट्वीटर एकाउन्टमार्फत जानकारी कओलन्हि अछि ।
पछिला समय अमेरिका आ इरानबीच तनाव बढल अछि । एहि विषयमे कोना कऽ आगु बढल जाए एहि विषयमे हुनकासभ बीच फोनवार्ता भेल समाचारमे जनाओलगेल अछि ।
ओ युएईके विदेशमन्त्री शेख अब्दुल्लाह बिन जायद आ ओमानक परराष्ट्रमन्त्री युशुफ बिन अलावी बिन अब्दुल्लाहसँ इरानम विकसित परिस्थितिक विषयमे केन्द्रित रहि कऽ बातचित कएने जनओने छथि ।
वार्ताक क्रममे खाडी क्षेत्रमे विकसित घटनाक्रमक विषयमे अपन अपन धारणा आदानप्रदान भेल जानकारी करओलन्हि अछि । ओहि क्रममे विदेशमन्त्री जयंशकर खाडी क्षेत्रमे शान्ति, स्थायित्व आ सुरक्षाक विषयमे भारत सज्ञान लेने हुनकासभकेँ बतओने रहथि । एहिसँ पहिने विदेशमन्त्री जयशंकर इरानी समकक्षी मोहम्मद जावेद जरीफसँ सेहो फोनवार्ता कऽ खाडीमे व्याप्त तनावक अवस्था कम करबामे इरान मुख्य भूमिका खेल सकत बतओने रहथि ।
इराकक राजधानी बग्दादक अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल नजदिक शुक्रदिन एकटा इरानी सैन्य कमाण्डर मारलगेलाक बाद एहि विषयसँ खाडी क्षेत्रमे तनाव उत्पत्र भेल अछि । शुक्रदिन अमेरिकी सेनाक कारबाहीमे इरानी फौजनक विशेष दस्ता क्विडक प्रमुख कमाण्डर कासिम सुलेमानीके मृत्यु भेल छल ।
एहि कारण अमेरिका आ खाडी देशबीचक तनाव बढल विभित्र अन्तर्राष्ट्रिय सञ्चारमाध्यमसभ जनओने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *