इराक पर प्रतिबन्ध लगएबाक अमेरिकाक धम्की

एजेन्सी अमेरिका पुस २२ गते ।अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प इराक अमेरिकी सेनाकेँ निकालक निर्णय कएल अवस्थामे इराकउपर सेहो प्रतिबन्ध लगएबाक धम्की देलन्हि अछि ।
अमेरिका इरानी सैन्य कमाण्डरक इराकमे हत्या कएलाक बाद इराकक संसदमे अमेरिकी सैनिक निकालएके विषयमे छलफल भेल छल । एखन इराकक विभित्र स्थानमे अमेरिकी सैनिक परिचालित अछि ।
अपन सैनिक घुरओलाकबाद इराकउपर प्रतिबन्ध लगएबाक चेतावनी राष्ट्रपति ट्रम्प देलन्हि अछि ।राष्ट्रपति ट्रम्प ओसभ इराकमे अधिक महत्वपूर्ण आ महँग एयर बेस निर्माण कएने बतबैत अमेरिकी सैनिक फिर्ता कएला पर ओहि विमानस्थलके मूल्य सेहो देबए परत बतओलन्हि अछि ।
गत सप्ताह बगदाद विमानस्थलमे इरानी सेनाक जनरल कासिम सुलेमानीक अमेरिकी सेना हत्या कएलाक बाद इराक अमेरिकी सैनिक घुराबक विषयमे छलफल चलओने अछि । इरान अमेरिकाविरुद्ध अपराधिक बदला लेबाक प्रतिज्ञा कएने अछि ।
अपन सैनिक जनरलके विदाइमे इरानमे लाखौं आदमी राजधानी तेहरानमे जम्मा भेल छल । ओसभ अमेरिकाविरुद्ध बदल लेबएलेल सरकारकेँ दबाब दैत आबि रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *