‘सूचना प्रविधि विधेयक स्वतन्त्रता संकुचित करबाक रणनीति’

जनकपुरधाम पुस २२ गते ।गत महिना सरकारसँ बहराएल समाजवादी पार्टी प्रतिनिधिसभामे प्रस्तुत सूचना प्रविधिके सम्बन्धमे व्यवस्था करबालेल बनल विधेयक परिमार्जन करबाक माँग कएलक अछि ।
विधेयक मानव अधिकार, नागरिक स्वतन्त्रता, लोकतन्त्र आ प्रेस स्वतन्त्रताक प्रतिकूल आ प्रतिगमनकारी रहल पार्टी अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सोमदिन जारी कएने विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।
‘एहि कारण सूचना प्रविधिसम्बन्धी विधेयककेँ परिमार्जन नहि कऽ जारी नहि कएल जाए,’ विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि ।
सरकार राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोगक कार्यक्षेत्रकेँ संकुचित करए चाहि रहल, मिडिया विधेयकमार्फत मिडियाउपर अनावश्यक नियन्त्रण करए चाहि रहल कहैत समाजवादी पार्टी एकपरसँ दोसर करैत वाक तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्राकेँ संकुचित करबालेल सरकारक वर्तमान रणनीति देखलगेल आरोप लगओलन्हि अछि ।
संसदमे दर्ता विधेयक सामाजिक सञ्जालक प्रयोगमे नियन्त्रण करब आ एहिसँ अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताकेँ संकूचित करबाक उद्देश्यसँ देखलगेल समाजवादी पार्टीके कहब अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *