नेकपा अध्यक्ष प्रचण्ड आ कांग्रेस सभापति देउवाबीच भेटवार्ता

काठमाण्डु पुस २२ गते ।नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) अध्यक्ष प्रचण्ड आ कांग्रेस सभापति शेरबहादुर देउवाबीच सोमदिन भेटवार्ता भेल अछि । भेटवार्ता सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आ वेपत्ता छानबिन आयोगक गठन पर केन्द्रित छल ।देउवासँ भेँट करबालेल प्रचण्ड महासचिव विष्णु पौडेलसहित देउवा निवास बुढानीलकण्ठ पहुँचल छलथि । कांग्रेस सभापति देउवाक सहयोगी भानु देउवाक अनुसार प्रचण्ड सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोग शीघ्र गठन करबाक विषयमे परामर्श कएने छलथि ।
सभापति देउवा आयोग गठन जल्दि हएबाक अपन सेहो धारणा रहल बतओने रहथि । ओहिके संगहि देउवा सरकार लओने मिडिया काउन्सिलसहितक विवादस्पद विधेयक फिर्ता लेबएलेल सेहो प्रचण्डके कहने छलथि ।
भिन्सर साढे दशबजे देउवा निवास पहुँचल अध्यक्ष प्रचण्ड आ महासचिव पौडेल करिब आधा घण्टा बातचित कऽ घुरल छलथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *