अस्पतालसँ प्रधानमन्त्रीक भिडियो सन्देश

काठमाण्डु अगहन १७ गते ।मनमोहन कार्डियोथोरासिक भास्कुलर तथा ट्रान्सप्लान्ट सेन्टरमे इलाज करा रहल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली भिडियो सम्बोधनमार्फत अपन स्वास्थ्यके विषयमे जानकारी देलन्हि अछि ।
ओ उठि कऽ बाजएमे, साथीसँग बातचित करबाक अवस्थामे रहल बतअनेलन्हि अछि । हुनकर मंगलदिन एपेण्डिसाइटिसके अप्रेसन कएलगेल छल ।
सेन्टरके सघन उपचार कक्षममे रहल ओ सोमदिन भिडियो सन्देश जारी करैत कहलन्हि अछि,‘हमर स्वास्थ्य निकसँ सुधार भऽ रहल अछि । एकटा मेजर अप्रेसनके बाद अपनेसभ देख रहल छी, मेजर अप्रेसनके बादो हम उठि कऽ बाजएके, साथीसभसँग बातचित करबाक अवस्थामे छी आ समाचारसभ देखबाक अवस्थामे छी ।’

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *