उपनिर्वाचनः नेकपा ३० आ कांग्रेस १३ स्थानमे निर्वाचित

जनकपुरधाम अगहन १७ गते ।शनिदिन सम्पत्र उपनिर्वाचनमे नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) सभसँ अधिक स्थानमे निर्वाचित भेल अछि ।
५२ पदके लेल भेल उपनिर्वाचनमे नेकपा ३० आ कांग्रेस १३ स्थानमे निर्वाचित भेल अछि । तहिना समाजवादी पार्टी चारि, राजपा तीन तथा स्वतन्त्र आ राष्ट्रिय जनमोर्चा १÷१ स्थानमे निर्वाचित भेल अछि ।
उपनिर्वाचनअन्तर्गत एक प्रतिनिधिसभा सदस्य, तीन प्रदेशसभा सदस्य, एक उपमहानगर प्रमुख, तीन गामपालिका अध्यक्ष, एक गामपालिका उपाध्यक्ष आ ४३ वार्डअध्यक्ष पदके लेल प्रतिस्पर्धा भेल छल ।जाहिअन्तर्गत कास्की–२ क प्रतिनिधिसभामे नेकपाक विद्या भट्टराई निर्वाचित भेल छथि ।
प्रदेशसभाक तीन सिटमे नेकपा, कांग्रेस आ नेकपा समर्थित राष्ट्रिय जनमुक्ति मोर्चा एक÷एक स्थानमे विजयी भेल अछि । भक्तपुर १(क) मे कांग्रेस, दाङ ३ (ख) मे नेकपा आ बाग्लुङ २ (ख) मे राजमो जित हासिल कएने अछि । सुनसरी धरान उपमहानगरक मेयरमे कांग्रेस विजयी भेल अछि ।
गामपालिका अध्यक्षक तीन सिटमे नेकपा बाजी मारलक अछि । संखुवासभा, मकालु गामपालिका, पाँचथर, फाल्गनन्द गामपालिका आ महोत्तरीक पिपरा गामपालिकामे नेकपाक उम्मेदवार विजयी भेल छथि । तहिना हुम्ला खार्पुनाथ गामपालिकामे सेहो नेकपा जित प्राप्त कएलक अछि ।
वडाअध्यक्षक ४३ सिटमेसँ नेकपा २४, कांग्रेस ११, समाजवादी पार्टी चारि, राजपा तीन आ स्वतन्त्र एक स्थानमे निर्वाचित भेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *