पेट्रोल आ डिजेलके मूल्यवृद्धि

जनकपुरधाम अगहन १७ गते । नेपाल आयल निगम पेट्रोल आ डिजेलके मूल्यवृद्धि कएलक अछि । नयाँ मूल्य सोमदिन रातिसँ लागू होएत निगम जनओलक अछि ।
अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे मूल्यवृद्धि भेलाक बाद मूल्य समायोजन करबालेल पेट्रोल आ डिजेलके मूल्यवृद्धि कएलगेल निगम जनओने अछि । अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे मूल्य बढलाक बादो गत चारि महिनासँ मूल्य समायोजन नहि कएने निगम सोमदिन रातिसँ मूल्य बढाओलगेल निगमक कार्यकारी निर्देशक सुरेन्द्रकुमार पौडेल जानकारी देलन्हि ।
अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे मूल्यवृद्धि भेलाक बादो दशैं, दीपावली आ छठिसहितक पर्वके देखैत पुराने मूल्य कायम कएलगेल छल बतबैत ओ एहिसँ पहिने प्रतिलिटर २० रुपैयाँके मूल्यान्तर भारतीय सीमामे १८ रुपैयाँ पहुँचल जानकारी देलन्हि ।
नयाँ मूल्य समायोजनअनुसार पेट्रोल आ डिजेलमे प्रति लिटर दु रुपैयाँ वृद्धि कएलगेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *