ट्राफिक प्रहरी घुससहित नियन्त्रणमे

जनकपुरधाम अगहन १७ गते ।धनुषासँ एकटा ट्राफिक प्रहरी घुससहित पकराएल अछि । धनुषाक क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिकासँ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धानके टोली ट्राफिक प्रहरीके सई नविनकुमार झाकेँ घुससहित नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
ट्रिपर चालकसँ एक हजार रुपैयाँ घुस लऽ रहल अवस्थामे अख्तियारक बर्दिवास कार्यालयसँ पहुँचल टोली झाकेँ नियन्त्रणमे लेने छल । रोडागिट्टी ढुवानीमे सहज कऽ देब कहैत सई ट्रिपर चालकसँ घुस लऽ रहल अवस्थामे झाकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल अख्तियार जनओलक अछि ।
ट्रिपर चालकसँ बेरबेर पैसा माँग करैत गेला पर झाविरुद्ध अख्तियारक कार्यालयमे उजुरी परल छल । ओहि उजुरीके आधार पर अख्तियारक टोली अनुगमन करबाक क्रममे ओ घुससहित पकराएल छथि । झाकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल अख्तियार जनओलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *