एकहि मण्डपमे ३३ जोडीके विवाह

जनकपुरधाम अगहन १७ गते ।जनकपुरमे आयोजना कएलगेल सामूहिक वैवाहिक कार्यक्रममे ३३ जोडी वैवाहिक बन्धनमे बन्हाएल छथि । दहेज प्रथाविरुद्ध रामजानकी विवाहपञ्चमीक अवसर पर सोमदिन आयोजना कएलगेल सामूहिक वैवाहिक कार्यक्रममे ओसभ विवाहक बन्धनमे बन्हाएल छथि ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१३ कभर्ड हलस्थित मणिमण्डप परिसरमे सोमदिन राति ३३ टा जोडीके सामूहिक विवाह सम्पत्र भेल अछि । विश्व हिन्दु परिषद् आ मणिमण्डप समितिक संयुक्त आयोजनामे सामूहिक विवाह कार्यक्रम सम्पत्र भेल अछि ।
सामूहिक विवाहसँपूर्व विवाह करए पहुँचल लडकासभकेँ जनकपुर दर्शन कराओलगेल छल । जनकपुर दर्शनअन्तर्गत हुनकासभकेँ गाडीसँ नगर परिक्रमा कराओलगेल । खाना, कपडालत्ता, भाडाबर्तनसहित विवाहमे लागएबला सम्पूर्ण खर्चक व्यवस्था आयोजकके तर्फसँ कएलगेल छल ।
मणिमण्डप समितिक उपाध्यक्ष रामअशिष दास सामूहिक विवाहमे लागएबला सम्पूर्ण खर्च आयोजकके तर्फसँ व्यवस्था कएलगेल जानकारी देलन्हि । दासके अनुसार विवाहमे लागएबला खर्चके लेल प्रदेश सरकार, विश्व हिन्दु परिषद् आ स्थानीयवासीके तर्फसँ प्राप्त भेल अछि । कपडालत्ता, भाडाबर्तन, गाजाबाजासहितमे ४० सँ ५० लाख खर्च भेल हुनकर कहब अछि ।
सामूहिक विवाहमे कमसँकम १०८ जोडीके विवाह करबाक लक्ष्य राखलगेलाक बादो किछुके कानुनी प्रावधानके कारण सहभागी नहि कराओलगेल दास बतओलन्हि ।
‘एकहि मण्डपभितर १०८ जोडीकेँ विवाह करएबाक लक्ष्य राखने छलौंह, मुदा किछुके उमेर आ किछुकेँ बहुविवाहसम्बन्धी कारणसँ सहभागी नहि कराओलगेल,’ दास कहलन्हि । दासक अनुसार सामूहिक विवाहमे नेपाल तथा भारतसँ परिवारसहित जोडीसभ पहुँचल छलथि । सामूहिक विवाहके लेल धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, सप्तरी, मोर«ङसहितक जिल्लासँ ओसभ पहुँचल दास जानकारी देलन्हि ।
विवाहके लेल आएलसभमेसँ नेपाली नागरिककेँ नागरिकता आ जन्म दर्ता प्रमाणपत्र तथा भारतीयसभकेँ आधारकार्ड जम्मा कराओलगेल छल । सरकारी प्रमाणपत्रक आधार पर विवाहके लेल उमेर पहुँचल व्यक्तिसभकेँ मात्र सामूहिक विवाहमे सहभागी कराओलगेल दासक कहब छलन्हि । उमेरसम्बन्धी प्रमाण नहि जुटाबएसकल १५÷१६ जोडीके फिर्ता कएलगेल ओ बतओलन्हि ।
सामूहिक विवाहमे आएल जोडीक परिवारक सदस्यके संगहि आमन्त्रित अतिथिसभकेँ लेल आयोजक रात्री भोजके व्यवस्था सेहो कएने छल ।
वैवाहिक कार्यक्रममे प्रदेशक मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत, विभित्र मन्त्री, प्रदेशसभा सदस्यसहितक विशिष्ठ अतिथिसभकेँ उपस्थिति छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *