रामकलेवाक समापनके संगहि विवाहोत्सव सम्पन्न

जनकपुरधाम अगहन १७ गते । रामकलेवाक समापनके संगहि सप्ताह व्यवापी रामजानकी विवाहोत्सव सम्पन्न भेल अछि । मिथला परम्परा अनुसार वैवाहिक कार्यक्रमक समापनके बाद सोमदिन धुमधामके सँग रामकलेवा अर्थात मर्यादी सम्पन्न भेल अछि ।
जानकी मंदरिक प्रांङणमे दिनक २ बजेसँ साँझ करिब ६ बजे धरि रामकलेवा मर्याद चलल छल । रामजानकी विवाहोत्सवमे अयोध्यासँ आएल बरियातके संगहि अन्य साधुसंत तथा स्थानीयवासीसभ सेहो रामकलेवामे सहभागि भेल छलथि । रामकलेवाक कार्यक्रममे बरियातसभके मैथिली परम्परा अनुसार भोजनके व्यवस्था कएलगेल छल । जानकी मंदिरक तर्फसँ आयोजन होबएबला रामकलेवा कार्यक्रममे बरियातसभक बीच विभिन्न प्रकारक व्यन्जन परसल गेल छल । तहिना मर्याद चलि रहल समय मैथिली परम्परा अनुसार लोक गीतक माध्यमसँ हसीँ मजाक सेहो कएलगेल छल ।
जानकी मंदिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दासक अनुसार दुपहर २ बजेसँ साँझ ६ बजे धरि चलल रामकलेवाक कार्यक्रममे पाँच हजारसँ अधिक व्यक्ति भोजन कएलन्हि अछि । दास कहलन्हि –“ मिथिला परम्परा अनुसार वैवाहिक कार्यक्रमके दोसर दिन मर्याद कएल जाति अछि ओहि परम्परा अनुसार रामजानकी विवाह महोत्सवमे हरेक वर्ष रामकलेवाक आयोजन कएल जाति छैक ।”
अन्य वर्षक तुलनामे तुलनामे रामकलेवामे सहभागी होबएबलाके संख्यामे वृद्धि भेल जानकी मन्दिर जनओलक अछि । रामकलेवाक लेल सोमदिन भिन्सरेसँ भोजन बनएबाक काज सुरु भऽगेल छल दास जानकारी देलन्हि । रामकलेवामे भारतक अयोध्यासँ विशिष्ट बरियातक रुपमे आएल महन्थ एवम साधुसंतक संगहि विवाहपञ्चमीमे आएल तिर्थालु, सर्वसाधारण सेहो सहभागि छलथि दास बतओलन्हि ।
एहिसँ पहिने भोजन दैतकाल सांकेतिक रुपमे बनल राम, लक्ष्मण, भरत आ शत्रुध्न रुसल छलथि । जकरबाद सुनयना चारु भायके घडी, चैन तथा नगद दऽकऽ मान मनओने छलीह । जकरबाद भोजन प्रारंभ कएलगेल । एहि अवसर पर गीतनादक माध्यमसँ बरियातसभके गारि सेहो सुनाओलगेल छल । रामकलेवामे सहभागि बरियातसभके जानकी मंदिरक महन्थ रामतपेश्वर दास धोती, गम्छा, गंजी सहितक बस्त्र विदाई कएने छलखिन्ह ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *