करिब दु दर्जन पाकेटमार नियन्त्रणमे

जनकपुरधाम अगहन १६ गते ।विवाहपञ्चमीमे भीडभाडक मौका उठा कऽ पकेटमारी कएन्हिार करिब दु दर्जनसँ अधिक आदमीके प्रहरी रविदिन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
नेपाल प्रहरी तथा सशस्त्र प्रहरीके टोली ओकरासभकेँ जनकपुरक विभित्र स्थानसँ नियन्त्रणमे लेने छल । पकराएबलामे अधिकांश महिला रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि । नियन्त्रणमे लेलगेल पाकेटमारमेसँ अधिकांश भारतीय रहल बताओलगेल अछि । नियन्त्रणमे लेलगेल पाकेटमारसभकेँ आवश्यक अनुसन्धानके लेल जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे राखलगेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *