तिर्थालुके निःशुल्क भोजन

जनकपुरधाम अगहन १६ गते ।रामजानकी विवाहोत्सवक अवसर पर जनकपुर पहुँचल तिर्थालुसभक लेल रविदिन निःशुल्क भोजनक व्यवस्था कएलगेल छल । विवाहपञ्चमी देखबालेल जनकपुर पहुँचल तिर्थालुसभके लेल विभित्र संघसंस्था तथा व्यापारिक प्रतिष्ठानसभ निःशुल्क भोजनके व्यवस्था कएने छल ।
रामजानकी विवाहोत्सवमे भारतक अयोध्यासँ जनकपुर आएल बरियातसभके लेल मारवाडी सेवा समिति निःशुल्क भोजन आ वासके व्यवस्था कएने अछि । मारवाडी सेवा समिति अपन समितिके भवनमे बरियातसभक लेल वास आ भोजनके व्यवस्था कएने अछि । विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल भारतक अयोध्यासँ पाँच सयसँ अधिक संख्यामे बरियातके रुपमे विशिष्ठ साधुसन्तसभ जनकपुर पहुँचल छथि ।
तहिना तिर्थालुसभक लेल जनकपुरक जानकी चौक, शिव चौक, रामानन्द चौकसहितक स्थानमे विभित्र संघसंस्थासभ निःशुल्क भोजनक व्यवस्था कएने छल । जनकपुरस्थित महावीर युवा कमिटी, तेली सेवा समिति, शाह ग्लास हाउससहितक संघ संस्थासभ निःशुल्क भोजनक व्यवस्था कएने छल ।
तहिना विभित्र युवा क्लवसभ सेहो मेला देखए आएल तिर्थालुसभक लेल निःशुल्क नास्ता, खाना, पानि, चाय, प्राथमिक उपचारके व्यवस्था कएने छल । विवाहपञ्चमीमे लाखौंके संख्यामे तिर्थालु जनकपुर पहुँचल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *