पिपरा उपनिर्वाचनः नेकपाक चौधरी निर्वाचित

जनकपुरधाम अगहन १६ गते ।पिपरा गामपालिका उपनिर्वाचनमे रोमाञ्चक एवं कडा प्रतिस्पर्धाक बीच नेकपाक विक्रम चौधरी अध्यक्षमे निर्वाचित भेल छथि । समाजवादी पार्टीक रामजानकी यादवकेँ २०८ मतसँ पराजित करैत नेकपाक चौधरी गामपालिका अध्यक्षमे निर्वाचित भेल छथि । चौधरीके ३ हजार २ सय ४९ मत आएल अछि तऽ समाजवादी पार्टीक यादवकेँ ३ हजार ४१ मत प्राप्त भेल अछि ।
तहिना राजापाक रवितकुमारी चौधरीकेँ २ हजार ९८६, नेपाली कांग्रेसक विजय यादवकेँ १ हजार ९ सय ३५ आ जनमत पार्टीके ६१६ मत भेटल अछि ।
गत स्थानीय तह निर्वाचनमे तत्कालीन एमालेसँ चुनाव लडल चौधरी कम मतके अन्तरसँ राजपासँ पराजित भेल रहथि । पिपरा गामपालिका राजपाक पकडबला क्षेत्रके रुपमा जानल जाइत अछि ।
शनिदिन करिब पौने १२ बजेसँ मतगणना शुरु भेलाक बादसँ रविदिन भिन्सरधरि राजपाक रविता अग्रता कायम कएने छलथि । मुदा रविदिन मध्यान्हसँ रविताकेँ नेकपाक उम्मेदवार चौधरी पाछु कऽ देने छलथि । किछुदेर कम मतके अन्तर रहलाक बादो समाजवादी पार्टीक मत बढए लगलाक बाद राजपा तेसर स्थान पर पहुँचगेल छल ।
एहिसँ पहिने राजपासँ अध्यक्षमे निर्वाचित विनोद चौधरीके गत वैशाखमे निधन भेलाक बाद पिपरा गामपालिकामे निर्वाचन भेल अछि । राजपा विनोदक पत्नीकेँ अध्यक्ष पदक उम्मेदवार बनओने छल ।
पिपरा उपनिर्वाचनकेँ प्रतिष्ठासँ जोडि कऽ देखने राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासभ अपन अपन उम्मेदवारकेँ जिताबएलेल जोडतोडके बल लगओने छलथि । उपनिर्वाचनमे नेकपाक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड, समाजवादी पार्टीक संघीय परिषद अध्यक्ष एवं पूर्वउपप्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई, समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष एवं उपप्रधानमन्त्री उपेन्द्र यादव, नेपाली कांग्रेसक उपसभापति एवं पूर्वउपप्रधानमन्त्री विमलेन्द्र निधि, राजपा अध्यक्ष मण्डलक संयोजक राजेन्द्र महतो, अध्यक्ष मण्डलक सदस्य महन्थ ठाकुर, प्रदेशक मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतसहित प्रदेश सरकारक मन्त्रीसभ प्रचार–प्रसारके लेल पहुँचल छलथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *