विवाह पञ्चमी सम्पन्न लाखौ तिर्थालुके सहभागिता

जनकपुरधाम अगहन १६ गते ।त्रेता युगमे मर्यादा पुरुष भगवान राम आ जगजननी सीताक विवाहक स्मरण स्वरुप प्रत्येक वर्ष अगहन महिनाक पंचमी तिथीमे मनाओल जाएबला विवाह महोत्सव रविदिन जनकपुरमे धुमधामक सँग सम्पन्न भेल अछि ।
जानकी मंदिरक प्रांङणमे रविदिन राति मैथिली परम्परा अनुसार वैवाहिक कार्यक्रम सम्पन्न भेल छल । मैथिली परम्परा अनुसार सम्पन्न वैवाहिक कार्यक्रममे मिथिला क्षेत्रमे कएल जाएबला सम्पूर्ण विधी अपनाओलगेल छल ।
वैवाहिक कार्यक्रममे जानकी मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास, उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास सहित बरियातके रुपमे भारत अयोध्या तथा अन्य स्थानसँ आएल साधु सन्तके संगहि पैघ संख्यामे तिर्थालुसभक सहभागिता छलन्हि ।
एहिसँ पहिने स्थानीय बाह्र विग्हा मैदानमे स्वयंभर कार्यक्रम सम्पन्न भेल छल । राम मन्दिरसँ बरियात सहित भगवान रामक डोला नगरक विभिन्न भागक परिक्रमा करैत बाह्र बिग्हा मैदान पहुँचल छल । तहिना जानकी मंदिरसँ निकलल माता जानकीक डोला बाह्र विग्हा मैदान पहुँचलाक बाद स्वयंभर कार्यक्रम सम्पन्न भेल छल । जानकी मंदिरसँ माता जानकीक डोला निकलएसँ पूर्व नेपाली सेना मंगल धुन बजओने छल । ओहि अवसर पर जनप्रतिनिधि, प्रमुख जिल्ला अधिकारी, सुरक्षा निकायक प्रमुख, नेपाली सेनाक प्रमुख, विभिन्न संघसंस्थाक प्रतिनिधी, नागरिक समाज सहितकके उपस्थिति छलन्हि । एहि अवसरमे मुल महन्थसभ पूजा अर्चना कऽ मालफेर कएलाक बाद स्वयंभर विधी सम्पन्न भेल छल ।
स्वयंभर विधीके बाद बाह्र विग्हा मैदानसँ शोभा यात्रा निकाललगेल । शोभा यात्रामे बिभिन्न सरकारी कार्यालय, संघ संस्था, मठ मंदिर सहित दु सयसँ अधिकके संख्यामे झाँकी सहभागि कराओलगेल छल । जानकी मन्दिरक अनुसार भारतक अयोध्या, वृन्दावन, विहार, गुजरात, जम्मू, ऋषिकेस सहितक स्थानसँ महन्थ एवम साधुसंतक सहभागिता छल
वैवाहिक कार्यक्रम पश्चात सोमदिन अयोध्यासँ आएल बरियातके विदाई कएल जाएत जकरा रामकलेवा कहल जाति अछि । वैवाहिक कार्यक्रम पश्चात मिथिला परम्परा अनुसार बरियातसभक विदाई करबाक कार्यक्रम रहल जानकी मंदिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास जानकारी देलन्हि । एम्हर विवाह पञ्चमीके दृष्टिगत करैत जानकी मंदिर आ राम मंदिरके विशेष रुपसँ सजाओलगेल अछि । जानकी मंदिर एवम राम मंदिरमे विभिन्न प्रकारक बल्ब जडान कऽ कऽ अन्य विशेष सरसजावट कएलगेल अछि ।

हेलिकप्टरसँ पुष्पवृष्टी
विवाहपञ्चमीक अवसर पर एहि वर्ष फूलक वर्षा कएलगेल अछि । त्रेता युगमे भगवान राम आ माता सीताक विवाहक अवसर पर आकाशसँ वर्षा भेल छल एहि मान्यताके अनुसार विवाहपञ्चमीक अवसर पर जनकपुरमे फूलक वर्षा कएलगेल अछि । रंगभूमि मैदानमे स्वयंभर कार्यक्रम चलि रहल समय नेपाली सेना हेलिकप्टरसँ पुष्पवृष्टी कएने छल । नेपाली सेनाक हेलिकप्टर स्वयंभर स्थल रंगभूमि मैदान, जानकी मन्दिर, राम मन्दिर सहित जनकपुरक बजार क्षेत्रमे फूलके वर्षा कएने छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *