सिरहामे प्रहरी चौकीसँ सातटा थुनुवा फरार

सिरहा अगहन १५ गते ।सिरहा इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुर पतारीसँ सातटा थुनुवा फरार भऽ गेल अछि । दुपहरमे खाना खुएबाक समय सटर तोडि कऽ ओसभ फरार भेल प्रहरी जनओलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक एसपी उमाप्रसाद चतुर्वेदीक अनुसार दुपहर खाना खुएबाक समय ११ टा विभित्र मुद्दाक थुनुवा फरार भेल छल । जाहिमेसँ चारिटाकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल अछि । अन्य फरारके खोजी चलि रहल ओ बतओलन्हि ।
शनिदिनक उपनिर्वाचनमे प्रहरी जनशक्ति खटल छल । ओहि मौकामे ओसभ फरार भेल बताओलगेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *