करिब ११ खर्ब पहुँचल सार्वजनिक ऋण

काठमाण्डु कातिक २५ गते ।नेपालक सार्वजनिक ऋण ११ खर्ब रुपैयाँके नजदिक पहुँचल अछि । चालु आर्थिक वर्षक पहिल तीन महिना १८ अर्ब रुपैयासँ अधिकसँ सार्वजनिक ऋण बढलासँ कुल ऋण ११ खर्बके नजदिक पहुँचल अछि ।
महालेखा नियन्त्रक कार्यालयक तथ्यांकअनुसार साउनसँ आशिन मसान्तधरि तीन महिनामे सरकार कुल २३ अर्ब ३९ करोड ४१ लाख रुपैयाँ सार्वजनिक ऋण लेने अछि । एहि अवधिमे ६ अर्ब ३२ करोड १२ लाख रुपैयाँ ऋण चुत्तस सेहो भेल अछि । एहिअनुसार तीन महिनामे १८ अर्ब ११ करोड रुपैयाँ सार्वजनिक ऋण बढल अछि । आब नेपालक कुल सार्वजनिक ऋण १० खर्ब ८४ अर्ब ९३ करोड पहुँचल अछि ।
एहिमेसँ ४ खर्ब ५३ अर्ब ४९ करोड सार्वजनिक ऋण अछि तऽ ६ अर्ब ३१ अर्ब ४७ करोड रुपैयाँ वैदेशिक ऋण अछि । कुल सार्वजनिक ऋणकेँ तथ्यांक विभाग सन् २०१९ के लेल प्रक्षेपण कएने जनसंख्या २ करोड ९७ लाख ४ हजार ५ सय १ गोटे उपर भाग लगओलासँ एक नेपाली बराबर ३६ हजार ५ सय २५ रुपैयाँ सार्वजनिक ऋण पहुँचल अछि ।
चालु आर्थिक वर्षक तीन महिनामे सरकार बहुराष्ट्रिय निकायसँ १८ अर्ब ९ करोड ३७ लाख रुपैयाँ ऋण लेने अछि । द्विपक्षीय दातासँ ५ अर्ब ३ करोड ९८ लाख रुपैयाँ ऋण लेलगेल अछि । एहि अवधिमे सरकार कुल २६ करोड ५ लाख रुपैयाँ आन्तरिक ऋण उठओने अछि । एहि प्रकारेँ तीन महिनामे मात्र कुल २३ अर्ब ३९ करोड ४१ लाख रुपैयाँ सार्वजनिक ऋण लेने अछि ।
अर्थ मन्त्रालयक तथ्यांकअनुसार सार्वजनिक ऋण कुल गार्हस्थ उत्पादनके ३१.३२ प्रतिशत पहुँचल अछि । एखन नेपाली अर्थतन्त्रक आकार ३४ खर्ब ६४ अर्ब ३१ करोड ९० लाख रुपैयाँ रहल अछि ।
कतहसँ कतेक ऋणस्
विश्व बैंक स् ११ अर्ब ८७ करोड
. एसियाली विकास बैंक स् ६ अर्ब २१ करोड
. भारत स् २ अर्ब ३३ करोड ९१ लाख
. जापान स् १ अर्ब ४४ करोड १६ लाख
. चीन स् ९० करोड ८८ लाख
. कोरिया स् २९ करोड ७९ लाख
. साउदी अरेबिया स् ५ करोड २२ लाख

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *