सचिवस्तरीय संयन्त्रमे सीमा विवादक विषयमे बातचित करबालेल भारत तैयार

काठमाण्डु कातिक २५ गते ।कालापानी क्षेत्रक सीमा विवाद समाधानके लेल परराष्ट्र सचिवःतरीय सयंन्त्रके बैठक करबालेल भारत तैयार अछि । बंगलादेशक राष्ट्रपति अब्दुल हमिदके नेपाल भ्रमणके बाद बैठक होएत कहलगेलाक बादो मिति तय नहि भेल अछि ।
भारत हालहि कालापानी क्षेत्रक नेपाली भूभागके समेट कऽ नयाँ नक्सा जारी कएलाक बाद नेपालमे विरोध भऽ रहल अछि । प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली शनिदिन बजओने सर्वदलीय सर्वपक्षीय बैठक सेहो लिम्पियाधुराक कुटियाङ्दी धरि नेपालक भूभाग रहल निष्कर्ष निकालैत भारतसँ उच्चःतरमे राजनीतिक तथा कूटनीतिक संवाद करबालेल सरकारकेँ सुझाव देने छल ।
परराष्ट्रमन्त्रालय स्रोतक अनुसार नेपाल अनौपचारिक संवादसभमे अपन अडान राखि चुकल अछि । भारतःिथत नेपाली राजदूत निलाम्बर आचार्य सेहो विदेश सचिव गोपाल गोख्लेसँ भेट कऽ नेपालक पक्ष रखने छलथि ।
एखन भारत वार्तामार्फत नेपालक आपत्ति सम्बोधन करबालेल सकारात्मक रहल मन्त्रालय स्रोतक दावा अछि । तहिना परराष्ट्र सचिवःतरीय संयन्त्रके बैठक सेहो होबए जा रहल अछि ।हालहि भेल विदेश स्तरीय संयुक्त आयोग सेहो कालापानी आ सुस्ताक सीमा विवादक विषयमे छलफल करबाक अधिकार संयन्त्रके देलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *