कांग्रेस नेता रहमानक निधनप्रति निधिक श्रद्धाञ्जली

जनकपुरधाम कातिक २५ गते ।नेपाली कांग्रेस धनुषाक पुर्व जिल्ला सदःय अब्दुल रहमानके निधन भऽ गेल अछि । जनकपुरधाम–५ निवासी निधनके रविदिन दुपहर निधन भेल छन्हि ।
रहमानक निधनप्रति नेपाली कांग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधिसहितक नेतासभ हुनकर घर पहुँच कऽ श्रद्धाञ्जली व्यक्त कएलन्हि अछि । उपसभापति निधि, कांग्रेसक प्रदेश २ क संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव, जिल्ला सभापति महेश शंकर गिरीसहितक नेतासभ रहमानक पार्थिव शरीर पर पार्टीक झण्डा ओढा कऽ श्रद्धाञ्जली व्यक्त कएने छलथि ।
एहि अवसर पर कांग्रेसक नेता गणेश तिवारी, क्षेत्रीय सभापति कन्हैया कर्ण, किशोरी साह, शिवजी राय, प्रफुलराज घिमिरे, वार्डअध्यक्ष मनोज साहसहितकके उपःिथति छलन्हि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *