‘प्रधानमन्त्री ओली सम्झौता उल्लंघन कएलन्हि’

काठमाण्डु कातिक २५ गते ।चिकित्सा शिक्षा सुधारक माँग रखैत अनशनरत प्राध्यापक डा.गोविन्द केसी प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली हुनकासँग कएने सम्झौता उल्लंघन कएने आरोप लगओलन्हि अछि ।
सात दिनसँ डडेलधुरामे अनशनरत डा.केसी रविदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ ई आरोप लगओलन्हि अछि । ओली प्रधानमन्त्री रहल समय चारिबेर अनशन बसि चुकल जानकारी करबैत ओ बेरबेर हुनकासँग कएलगेल सम्झौतासभक उल्लंघन भेल बतओलन्हि ।
प्रधानमन्त्री ओलीक अक्रमन्यताक कारण सम्झौता कार्यान्वयन हएबाक संगहि उल्लंघन होइत आएल हुनकर आरोप अछि ।
‘ओलीजीमे जबरजःती करबाक मानसिकता अछि । ओ सम्झौता उल्लंघन करैत छथि । सम्झौता कार्यान्वयनके बात तऽ दुर अछि,’ ओ कहलन्हि । सरकार आ अन्य पार्टीक नेतासभ शिक्षा आ ःवाःथ्यके चरम व्यापारीकरण कऽ रहल हुनकर आरोप अछि ।
सरकारक प्रधानमन्त्री, मन्त्री राज्य कोषसँ विदेशमे इलाज करा रहल उल्लेख करैत अनशनरत डा.केसी गरिब जनता देशमे सेहो उपचार नहि पाबि रहल बतओलन्हि ।
प्रधानमन्त्रीके इच्छा भेल तऽ एक घण्टाभितर हुनकर माँगसभ पुरा हएतैक केसी बतओलन्हि । मन्त्रीकेँ प्रधानमन्त्री ओली एकटा आदेश देलाक बाद हुनकर सातु माँग पुरा भऽ जएतैक केसी दावा कएलन्हि ।
‘एखन मन्त्रीसभ अपन इच्छासँ काज नहि कऽ सकैत छथि । ओलीजीके आदेशमे ओसभ काज कऽ रहल छथि ,’ केसी कहलन्हि,‘हमर माँगसभ तत्काल पुरा होबएबला अछि । मुदा नहि भेल अछि । ओलीजीके आदेश पर एक घण्टामे हमर सभ माँग पुरा भऽ जएतैक ।’
प्रधानमन्त्री ओली इच्छा देखोलन्हि तऽ डडेलधुरासहित देशक चिकित्सकविहीन अःपतालमे डाक्टर पदपूर्ति हएतैक ओ बतओलन्हि । देशक प्रधानमन्त्री जनताक ःवाःथ्यप्रति गैरजिम्मेवार रहल हुनकर आरोप छलन्हि ।
‘प्रधानमन्त्री ओलीजी कतेक संवेदनहीन, जनताप्रति हुनकर संवेदनशीलता नहि अछि,’ ओ कहलन्हि,‘ओलीजी कुर्सीक आड पर चलि रहल छथि ।’
सुदूरपश्चिमक पहाडी जिल्लाक नागरिक उपचार नहि पाबि कऽ मृत्युवरण या अन्यत्र जएबाक अवःथा रहल अवःथामे प्रधानमन्त्री ओली अपन क्षेत्रमे बुद्धक मुर्ति आ भ्युटावर निर्माण करबालेल १८ अर्ब सरकारी लगानी कऽ रहल कहैत केसी ओली झापाक मात्र प्रधानमन्त्री रहल बतओलन्हि ।
‘प्रधानमन्त्रीक जिल्ला झापामे बुद्धक मूर्ति बनाबएलेल १५ अर्ब आ भ्युटावर बनाबएलेल ३ अर्ब सरकारी लगानी कएल जा रहल अछि । ओलीजी झापाक मात्र प्रधानमन्त्री छथि ?,’ ओ प्रश्न कएलन्हि ।
१८ अर्बमे ४÷५ टा सरकारी मेडिकल कलेज सञ्चालन कएल जा सकैत अछि ओ बतओलन्हि । देशक प्रधानमन्त्रीकेँ शिक्षाक महत्व सेहो बुझल नहि रहल हुनकर आरोप छलन्हि ।
अनशन कएला सात दिन बितगेलाक बादो सरकारक कोनो प्रकारक प्रतिक्रियाधरि नहि जनओने हुनकर कहब छलन्हि । प्रधानमन्त्री जनताक सेवक होबएबला ःथानमे महाराजा जँका व्यवहार कऽ रहल केसीके आरोप अछि । सात दिन भऽ गेलाक बादो सरकार चुप रहलाक कारण आओर दु दिन प्रतिक्षा करैत दु दिनभितर माँग पुरा नहि भेल तऽ आओर माँग रखबाक ओ चेतावनी देलन्हि अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *