प्रधानमन्त्रीक एडीसी शाही उपर प्रहरी अनुसन्धान

काठमाण्डु कातिक २५ गते ।प्रधानमन्त्रीक सुरक्षा अधिकृत (एडीसी) सेनानी राजेन्द्र शाहीकेँ अनुसन्धानके लेल प्रहरी समक्ष उपःिथत कराओलगेल अछि ।
काठमाण्डु जिल्लाक टोखा नगरपालिका–१० सामाखुशीःिथत खरीबोट क्षेत्रसँ गत कार्तिक १५ गते जुवामे संलग्न रहल आरोपमे ओ पकराएल छलथि ।
नेपाल प्रहरीक नियन्त्रणमे लऽ सैनिक प्रहरी गण, जङ्गी अड्डामे बुझाओलगेल सेनानी शाहीकेँ अनुसन्धानके लेल रविदिन महानगरीय प्रहरी वृत्त, महाराजगञ्जमे उपस्थित कराओलगेल सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालय जनओलक अछि ।
कानुनके बर्खिलाप कएन्हिार केऊ कारबाहीके दायरामे आओत संगठनक स्पष्ट नीति रहल रहल जनबैत सेना संगठनमे पुरूकार आ दण्ड सजायसम्बन्धी निर्देशिका लागु कएने अछि ।
गैरकानुनी कार्यमे संलग्न सैनिक व्यक्तिउपर सैनिक ऐन अनुसार कारबाही कएल जाएत जनबैत सेना अनुसन्धानके लेल प्रहरी प्रशासनसँ उपःिथत कराबएलेल अनुरोध भेलाक कारण संलग्न व्यक्तिकेँ अनुसन्धानके लेल पठाओलगेल बतओलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *