सहयोगी विकास बैंकके सञ्चालक समिति सदस्य जेल चलान

जनकपुरधाम कातिक २३ गते ।जनकपुरस्थित सहयोगी विकास बैंकक सञ्चालक समिति सदस्य दीपेन्द्रकुमार यादवकेँ पुर्पक्षके लेल जेल चलान कएलगेल अछि ।
जनकपुरधाम–७ क लालबाबु रौनियारक जग्गा जालजासी तथा ठगी कऽ बिक्री कएने अभियोगमे यादवके जिल्ला अदालत धनुषा पुर्पक्षके लेल जेल चलान कएलगेल अछि ।
यादव लालबाबु रौनियारक जग्गा बन्हकी राखि कऽ ५० लाख कर्जा देने रहथि । कर्जा लेलाक ८ वर्ष बाद चुक्ता स्वरुप ७३ लाख रुपैयाँ रौनियार बुझओने रहथि । मुदा पीडित रौनियार अपन जग्गा बिक्री भऽ चुकल जानकारी पओलाक बाद यादवविरुद्ध जिल्ला अदालत धनुषामे ठगी तथा जालसाजी मुद्दा दर्ता करओने रहथि ।
ओहि मुद्दामे अदालत यादवकेँ पुर्पक्षके लेल जेलमे रखबाक आदेश देने श्रेस्तेदार यज्ञप्रसाद आचार्य जानकारी देलन्हि । पीडित रौनियार करिब ८ वर्ष पहिने महोत्तरीक बर्दिवासमे रहल ५ कठ्ठा जग्गा यादवसमक्ष बन्हकी राखि कऽ ५० लाख रुपैयाँ ऋण लेने रहथि ।
किछु वर्षभितरे ऋणवापत यादवकेँ ७३ लाख रुपैयाँ चुक्ता कएलाक बादो रौनियारके जग्गा फिर्ता नहि भेल छल । जग्गा फिर्ता करबालेल बेरबेर आग्रह कएलाक बादो फिर्ता नहि भेलाक बाद मुद्दा दायर कएने रहथि । एम्हर बैंक यादवकेँ सञ्चालक समिति सदस्यसँ पदमुक्त कऽ देलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *