‘वर्तमान सरकार दलाली शैलीमे विदेशीके कठपुतली बनल’

काठमाण्डु कातिक २३ गते ।नेविसंघक निवर्तमान अध्यक्ष एवं नेपाली कांग्रेसक युवा नेता नैनसिंह महर वर्तमान सरकार विदेशीके कठपुती बनि कऽ काज कऽ रहल आरोप लगओलन्हि अछि ।
नेपाल स्वास्थ्यकर्मी संघक सातम महाधिवेशन उद्घाटन कार्यक्रममे नेता महर देशक अस्मिता आ अखण्डता जोगाबएलेल कांग्रेस सर्वदलीय सम्वाद शुरु कऽ जनता जगएबाक समय आएल बतओलन्हि ।
‘लिपुलेक त्रिदेशीय सीमा क्षेत्रक सवालमे भारत आ चीन नेपालकेँ कोनो जानकारी नहि दऽ चोर रास्तासँ सम्झौता कएने विषयप्रति अन्धराष्ट्रवादक जगमे बनल कम्युनिस्ट सरकार चीनके राष्ट्रपति आ भारतक प्रधानमन्त्री आएल समय कोनो बात उच्चारण नहि कऽ सकब, वर्तमान सरकार दलाली शैलीमे विदेशी कठपुतली बनल प्रष्ट होइत अछि,’ नेता महर बतओलन्हि ।
नेता महर शिक्षा आ स्वास्थ्य पूर्णरुपेँ जनताक स्वामित्वमे लओलाक बादे ई विषय जनताक पहँुचमे आओत बतओलन्हि । वर्तमान सरकार निजी मेडिकल कलेज सञ्चालकके प्रभावमे विद्यार्थीसँ असुललगेल शुल्क फिर्ता करबासँ भागि रहल ओ आरोप लगओलन्हि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *