‘माओवादी जीत नहि पचा सकल’

काठमाण्डु कातिक २३ गते ।सत्तारुढ नेकपाक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड माओवादी जीत नहि पचा सकल बतओलन्हि अछि । पार्टी एकतामे जएबासँ पहिने चुनावक स्मरण करबैत ओ जनता देने विश्वासकेँ कायम नहि कऽ सकलासँ तत्कालीन माओवादीमे फुटमे भेल बतओलन्हि अछि ।
शुक्रदिन पोखरामे आयोजित कार्यकर्ता प्रशिक्षण कार्यक्रममे बजैत ओ कहलन्हि,‘जीत नहि पचा सकलाक कारण माओवादीके ई हालत भेल । माओवादीके स्थान पर एमाले आएल, एमालेक जगह पर माओवादी ।’
तत्कालीन एमाले सेहो असगर चुनाव जीतबाक मानसिकतामे रहल बतबैत तत्कालीन एमाले आ माओवादीक एकीकरणसँ सुकार दु तिहाइ लओने ओ उल्लेख कएलन्हि ।
दुनु पार्टीक सिंघ टुटलाक बादे एक भेल तर्क करैत ओ कहलन्हि,‘ठेस लगलाक बाद एतह ठेस लगैत अछि बुद्धि अबैत अछि,’ ओ कहलन्हि,‘हारके बाद मात्र पार्टी एकता करबाक चेतना आएल अछि ।’
पार्टी एकीकरणके पूर्णता देबाक बाँकी रहलाक बादो अनेक भ्रमके बीच पार्टी एकीकरण कएने ओ दावा कएलन्हि । पहिने बोलचाल नहि रहल पार्टीसँ एकता होएत केऊ सोचनहु नहि छल ओ बतओलन्हि ।
‘पहिने बोलचाल सेहो नहि रहल साथीसभ एकहिटा विस्तरामे सुतए लगलौंह,’ ओ कहलन्हि । दुटा कम्युनिस्टक एकीकरण नेपालके लेल महत्वपूर्ण रहल प्रचण्ड दावा कएलन्हि । आब जल्दिए नेपाल समाजवादतर्फ आगु बढत ओ बतओलन्हि ।
कम्युनिस्ट एकता बुर्जवासभ भाँडए चाहि रहल उल्लेख करैत अध्यक्ष प्रचण्ड ककरोसँ माँगि कऽ नहि लडि कऽ देशमे संघीयता लओने उल्लेख कएलन्हि । कम्युनिस्टसभकेँ विजय यात्रासँ कम्युनिस्टसभ बदमाशी कऽ मात्र रोकि सकत बतबैत प्रचण्ड गुटबन्दी आ जनताक बीचमे जएबासँ कहियो पाछु नहि हटबाक चाही बतओलन्हि ।
कास्की २ मे होबए जा रहल उपनिर्वाचनक प्रसंगमे ओ विद्याके लेल मात्र नहि भऽ कऽ पुरा पार्टीके लेल उपनिर्वाचन महत्वपूर्ण रहल सुनओलन्हि । उपनिर्वाचन पार्टी एकता सुदृढ करबामे महत्वपूर्ण खेलने उल्लेख करैत ओ एहि अधिकारके सदुपोग करबालेल सेहो कार्यकर्ताकेँ आग्रह कएलन्हि ।
‘उपनिर्वाचनसँ देश भरिकेँ गुटवाद, फुटवाद विरुद्धक एकता सेहो अन्त होएत,’ ओ कहलन्हि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *