भारतीय दूतावासक गेट पर नेविसंघ जरओलक मोदीके पुतला

काठमाण्डु कातिक २३ गते ।प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेसक भातृ संस्था नेपाल विद्यार्थी संघ (नेविसंघ) अमृत साइन्स इकाई कमिटी लैनचौरस्थित भारतीय दूतावासक मुख्य गेटमे भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके पुतला दहन कएलक अछि ।
भारत जारी कएने नयाँ राजनीतिक नक्सामे नेपाली भूमि कालापानी, लिपुलेक आ लिम्पियाधुराकेँ अपन भू–भागमे समेटलाक बाद आक्रोशित विद्यार्थीसभ निशेधित क्षेत्र तोडि कऽ गेटक आगु पुतला दहन कएलक अछि ।
नेविसंघ अस्कल क्याम्पसके कार्यवाहक अध्यक्ष पुरन रोकायाक नेतृत्वमे दूतावास पहुँचल विद्यार्थी टोली पुतला दहन करबाक संगहि नेपाली भूभाग अतिक्रमण नहि कएल जा सकैत अछि कहैत नाराबाजी सेहो कएलक अछि ।
ओहि क्रममे आक्रोशित विद्यार्थी आ प्रहरीबीच झडप सेहो भेल छल । झडपके क्रममे आधा दर्जन विद्यार्थी घायल भेल अछि । आक्रोशित विद्यार्थी रविदिन भारतीय दूतावासक सवारी साधन नहि चलए देबाक घोषणा कएने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *