पिपरा उपनिर्वाचनः विजय यादव कांग्रेसक उम्मेदवार

जनकपुरधाम कातिक २३ गते ।महोत्तरीक पिपरा गामपालिकामे अगहन १४ गते होबए जा रहल उपनिर्वाचनमे नेपाली कांग्रेस महोत्तरी विजयकुमार यादवकेँ उम्मेदवार बनओलक अछि ।
उम्मेदवारक नाम चयन करबालेल बैसल संसदीय बोर्डके बैठकसँ यादवक नाम बहुमतसँ सिफारिस कएलगेल अछि । नेपाली कांग्रेस महोत्तरीक सभापति महेन्द्रकुमार रायक अध्यक्षतामे सचिव शम्भु नारायण पाठक, कोषाध्यक्ष किशोर कुमार सिंह, केन्द्रीय सदस्य किरण यादव, कल्याण गुरुङ आ सभापति मनोनयन कएने ५ टा सदस्य नागेश्वर यादव, नबल पाण्डे, सुशीलकुमार यादव, मोशन पाण्डे, विन्देश्वर साहसहित १० सदस्यीय बोर्ड गठन कएलगेल छल ।
सभापति राय क्षेत्रीय आ प्रदेश कमिटीसँ १३ टा उम्मेदवारक नाम सिफारिस आएल बतओलन्हि । जाहिमेसँ ८ गोटे विजयकुमार यादवक नाम पर सहमति जनओने मुदा संसदीय बोर्डक दुटा सदस्य नागेश्वर यादव आ नवल पाण्डे निर्णय पर असहमति जनबैत नोट अफ डिसेन्ट लिखने छथि ।
दुनु गोटे क्षेत्रीय सभापति राघवेन्द्र झाक नाम सिफारिस कएलाक बादो बहुमत सदस्य यादवक नाम चयन कएलाक कारण यादवे उम्मेदवार होएताह राय बतओलन्हि ।
एहिसँ पहिने रामकिशोर यादव, विजय यादव, राघवेन्द्र झा, राम एकवाल ठाकुर, मन्जुर आलम, राम पदार्थ झासहित १३ गोटेके नाम सिफारिस भेल छल ।
पिपरामे राजपा पार्टीसँ अध्यक्ष पदमे निर्वाचित विनोदकुमार चौधरीके निधन भेलाक बाद अध्यक्ष पदके लेल उपनिर्वाचन भऽ रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *