१२ वर्षीया बालिकाके २२ सप्ताहक गर्भपतन

काठमाण्डु कातिक २३ गते ।अछामक १२ वर्षीया सुस्त मनस्थितिक एक बालिकाके थापाथलीस्थित प्रसुति गृहमे २२ सप्ताहक गर्भपतन कराओलगेल अछि ।
जन्म नहि दऽ सकब आ स्वास्थ्य जोखिममे रहलाक कारण शुक्रदिन गर्भपतन कराओलगेल अस्पताल जनओलक अछि ।
अछामक रामारोशनक १२ वर्षीया सुस्त मनस्थितिक बालिकाक पेटमे गर्भ रहल जानकारी भेलाक बाद काठमाण्डु आनलगेल छल । कुकुर कटलाक बाद रेबिजविरुद्धक सुई लगएबालेल अस्पताल पहुँचल समय पेटमे गर्भ रहल जानकारी बाहर आएल छल ।
उमेर कम रहलाक कारण समस्या आबि सकैत अछि कहैत जिल्ला अस्पतालमे रहल एकद्वार संकट व्यवस्थापन केन्द्रमार्फत हुनका प्रसुति गृहमे आनलगेल छल ।
गर्भपतनके बाद बालिकाक स्वास्थ्य अवस्था सामान्य रहल अस्पताल जनओलक अछि । बालिकाक पेटमे ककर गर्भ रहल एहि विषयमे अछाम प्रहरी अनुसन्धान कऽ रहल जनओलक अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय अनुसन्धानके लेल दु गोटेकेँ नियन्त्रणमे सेहो लेलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *