१८ लाख रुपैयाँसहित तीन भारतीय नियन्त्रणमे

जनकपुरधाम कातिक २३ गते ।जिल्ला पर्सा कार्यालय पर्सा हुण्डी कारोबारीमे संलग्न तीन गोटेके अवैध १८ लाख नेपाली रुपैयाँसहित नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
पकराएबलामे भारत विहार सुगौली बजारक २२ वर्षीय विक्की कुमार, रक्सौल नागा रोडक २६ वर्षीय सुधीर कुमार आ ओहि स्थानक ३० वर्षीय साहिद आलम रहल प्रहरी जनओलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साक टोली वीरगंज महानगरपालिका–१६ रजतजयन्ती चौक नजदिकसँ तीनु भारतीय नागरिककेँ हुण्डी कारोबारके लेल राखलगेल १८ लाख रुपैयाँ सहित नियन्त्रणमे लेने पर्सा प्रहरी प्रमुख सोमेन्द्रसिंह राठौर बतओलन्हि ।
राठौरक अनुसार गोप्य सूचनाक आधार पर प्रहरी वीरगंज प्रवेश करएबला विभित्र नाका पर चेकजाँच बढओने छल । ओहि क्रममे रजतजयन्त्री चौक आगुसँ बीआर ०५ एस ३७९२, बीआर ०५ बी १४४४ आ बीआर ०६ एआर ३७८९ नम्बरक मोटरसाइकल चला कऽ आएल भारतीय नागरिकसभकेँ चेकजाँचक क्रममे तीनु गोटेकेसँगसँ १८ लाख नेपाली रकम बरामद भेल अछि ।
नियन्त्रणमे लेलगेल तीनुगोटे उपर आवश्यक छानबिन चलि रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनओने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *